गोलबजार मेयर गोल्ड कप चैत तेसर हप्तासँ हएत


सिरहा, १८ चैतः ९म संस्करणके गोलबजार मेयर गोल्ड कप फुटबल प्रतियोगिता चैत २३ सँ २९ गतेधैर सञ्चालन होबए लागल अइछ । गोलबजार नगरपालिका पत्रकार सम्मेलनमार्फत प्रतियोगिताके तालिका सार्वजनिक केलक अइछ ।

प्रतियोगितामे कोशी, मधेश आ बागमती प्रदेशसहित आठ क्लब सहभागिता जनाओत । आयोजक अनुसार सिरहासँ गोलबजार युनाइटेड क्लब, गोलबजार स्पोर्टस् क्लब आ सल्हेश युवा क्लब सहभागी हएत, तँ अन्य टोलीसभमे राष्ट्रिय जागृति क्लब इटहरी, लालिगुराँस स्पोर्टस् क्लब विराटनगर, ब्रदरहुड फुटबल क्लब उदयपुर, चात्या सा फुटबल क्लब दमक आ हेटौँडा फुटबल एकेडेमी अइछ ।

नगरप्रमुख श्याम कुमार श्रेष्ठ स्थानीय खेलकुदके विकासक लेल प्रतियोगिता निरन्तर आयोजन होइत आएल बतौलैन । हुनक कहब अनुसार नगरसँ प्रतियोगिताके लेल २५ लाख टका बजेट विनियोजन कएल गेल अइछ । प्रतियोगिता विजेताकेँ चाइर लाख ४४ हजार ४ सओ ४४ टका आ उपविजेताकेँ दू लाख २२ हजार २ सओ २२ टका प्रदान कएल जाएत । तहिना, उत्कृष्ट खेलाड़ी, उत्कृष्ट गोलकिपर, उत्कृष्ट प्रशिक्षक आ प्रत्येक खेलक म्यान अफ दी म्याचकेँ पुरस्कार प्रदान कएल जाएत । सम्पूर्ण खेल गोलबजार नगरपालिका–२ स्थित गुरुधामके एकीकृत खेलग्राममे सञ्चालन हएत । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय