काठमाण्डू, २० चैत : सार्वजनिक छुट्टीके दिन सेहो हुलाक कार्यालयमार्फत विदेशमे सामान पठेबाक आ विदेशसँ आयात भेल सामान देल जेबाक भेल अइछ । गोश्वारा हुलाक कार्यालय डिल्लीबजार अइसँ पहिनो सार्वजनिक छुट्टीमे सेवा दैत आएलोपर ताहि ठाँमस्थित भन्सार कार्यालय आ बैंक नै खुललासँ भन्सार जाँचपासमे समस्या भ होइत छल ।
अन्तरनिकाय समन्वय अभावमे सेवा प्रभावित भ रहलबारे शिकायत आएलाक बाद सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालय सेहो ध्यान देने छल । सञ्चारमन्त्री डा विक्रम तिमिल्सिनाके निर्देशनसँ हुलाक सेवा विभाग भन्सार विभागसँ समन्वय क सार्वजनिक छुट्टीके दिन सेहो सेवा देल जा सकबाक व्यवस्था सुरू कएने छै ।
सार्वजनिक छुट्टीके दिन कार्यालय सञ्चालन कएलापर नागरिक सहज सेवा मिलबाक आ कार्यालयके व्यवसाय आ नतिजा प्राप्ति दुनुमे सकारात्मक प्रभाव होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । (रासस)





