राष्ट्रिय सभाक उपाध्यक्ष भण्डारीके राजनीतिक यात्रा


काठमाण्डू । राष्ट्रिय सभाके नवनिर्वाचित उपाध्यक्ष लीला कुमारी भण्डारी सुदूरपश्चिम प्रदेशसँ उक्त पदमे पहुँचएबला पहिल महिला छैथ ।

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) के दिससँ राष्ट्रिय सभा सदस्य बनल भण्डारी सभाके आजुक बैसारमे निर्विरोध रुपमे उपाध्यक्ष पदमे निर्वाचित भेल छैथ । उक्त पदमे एक गाेटेके मात्रे उम्मेदवारी एलाक कारण हुनका सभाक अध्यक्ष नारायण प्रसाद दाहाल निर्विरोध विजयी भेल घोषणा केलैन । भण्डारी बितल माघ ११ गते सदस्यमे निर्वाचित भेल छलैन । उपाध्यक्ष भण्डारीके राजनीतिक यात्रा २०४७ सालसँ सुरु भेल छलैन ।

तत्कालीन प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई नेतृत्वके सरकारमे ६ महिना शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि राज्यमन्त्री भेल भण्डारी गेटा मेडिकल कलेज सञ्चालनक पहलकर्ताके सङे मुक्त कमलरीके अवस्था सुधारमे भूमिका निर्वाह कएने छलैन ।

कैलालीके फूलबारीस्थित चन्द्रोदय माध्यमिक विद्यालयमे अध्ययन करैत समय राजनीतिमे जिज्ञासा व्यक्त करैत आएल उपाध्यक्ष भण्डारी अखिल नेपाल राष्ट्रिय स्वतन्त्र विद्यार्थी युनियन (अनेरास्ववियु)मे सक्रिय भ विद्यार्थीके सवालमे काज कएने छलैन । तत्कालीन नेकपा (माओवादी केन्द्र) सँ एमालेमे प्रवेश कएने ओ एमालेके १०म आ ११म महाधिवेशनसँ निर्वाचित होइत पोलिटब्यूरो सदस्य आ कैलाली जिला संयोजकके जिमेवारी निर्वाह क चुकल छैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय