काठमाण्डू, २५ चैतः राष्ट्रिय सभाक चाइर विषयगत समितिक सभापतिसभ पद तथा गोपनीयताके शपथ ग्रहण केलैन अइछ । सङ्घीय संसद सचिवालयमे आइ आयोजित एक कार्यक्रममे राष्ट्रिय सभाके अध्यक्ष नारायण प्रसाद दाहाल हुनकासभकेँ शपथ करोलैन ।
सार्वजनिक नीति तथा प्रत्यायोजित विधायन समितिक सभापति पूजा चौधरी, सङ्घीयता सबलीकरण तथा राष्ट्रिय सरोकार समितिक सभापति जयन्तीदेवी राई, विकास, आर्थिक मालिमा तथा सुशासन समितिक सभापति कृष्ण प्रसाद पौडेल आ विधायन व्यवस्थापन समितिक सभापति कृष्ण बहादुर रोकाया पद तथा गोपनीयताके शपथ ग्रहण केलैन । (रासस)





