काठमाण्डू, २६ चैतः अखन देशमे पश्चिमी न्यून चापीय प्रणाली आ स्थानीय वायुके प्रभाव भेलाक कारण देशभैरके मौसम बदली भेल अइछ । बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक किछ स्थानमे, कोशी प्रदेशक पहाड़ी भागसहित कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक किछ स्थानमे मेघगर्जन आ ठन्कासहित हल्कासँ मध्यम वर्षा भ रहल जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलक अइछ ।
आइ दुपहर कोशी प्रदेशलगायत देशक पहाड़ी तथा हिमाली भागमे साधारणतया बदली रहबाक तथा बाँकी भागमे आंशिक बदली रहबाक जनाओल गेल अइछ । कोशी प्रदेशसहित देशक पहाड़ी तथा हिमाली भागक किछ स्थानसहित मधेश प्रदेशक किछ स्थानमे मेघगर्जन आ ठन्कासहित मध्यम वर्षा या हिमपातके सम्भावना अइछ ।
तहिना, आइ राइत कोशी प्रदेशलगायत देशक हिमाली भागमे साधारणतया बदली रहबाक, बाँकी पहाड़ी भागमे आंशिक बदली रहबाक तथा तराई भेगमे मुख्यतया मौसम सफा रहत । कोशी आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी तथा हिमाली भागक किछ स्थान तथा अन्य हिमाली भागके एक दू स्थानमे मेघगर्जन आ चट्याङसहित हल्का वर्षा या हिमपात होबाक सम्भावना अइछ ।
वर्षा तथा हिमपातके सम्भावना रहल स्थानमे यात्रा करैबला सर्वसाधारण तथा यातायातक सवारी साधन सञ्चालनकर्तालगायत सम्बद्ध सबकेँ सतर्कता अपनेबाक लेल महाशाखा अनुरोध केलक अइछ । (रासस)





