काठमाण्डू । प्रतिनिधिसभाक उपसभामुखक लेल राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीसँ सरस्वती लामा आ श्रम संस्कृति पार्टीसँ रुवी कुमारी ठाकुरके उम्मेदवारी दर्ता भेल अइछ ।
लामाके प्रस्तावकमे ज्ञानबहादुर शाही तथा समर्थकमे ताहिर अलि भाट, खुस्बु ओली आ भरत गिरी छैथ तँ ठाकुरके प्रस्तावकमे आरेन राई तथा समर्थकमे अशोक कुमार चौधरी आ अम्बिकादेवी सङ्ग्रौला रहल सङ्घीय संसद् सचिवालय जनौलक अइछ ।
सचिवालयके कार्यतालिकाअनुसार आइ भोर ११ बजेसँ २ः०० बजेधैर सभा कोनो सदस्यकेँ उपसभामुख पदमे निर्वाचित कएल जाए से प्रतिनिधिसभा नियमावली, २०७९के नियम ८के उपनियम (२) बमोजिमके प्रस्तावके सूचना दर्ता करबाक समय निर्धारण कएने छल ।
संविधानतः सभाक सभामुख आ उपसभामुखमे फरक राजनीति दल आ फरक लिङ्गसँ प्रतिनिधित्व होबाक व्यवस्था अइछ । चैत २२ गतेक बैसारसँ सभामुखमे राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीसँ डोलप्रसाद अर्याल निर्विरोध निर्वाचित भेल छल ।
अहि बीच प्रतिनिधिसभाक उपभामुख पदके लेल राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी श्रम संस्कृति पार्टीकी रुवी कुमारी ठाकुरकेँ समर्थन करबाक जनौलक अइछ ।
हुनक समर्थकमे रास्वपाक अशोक कुमार चौधरी रहबाक रास्वपाक प्रवक्ता मनिष झा जानकारी देलैन । प्रतिनिधिसभाक उपसभामुखक लेल राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीसँ सरस्वती लामा आ श्रम संस्कृति पार्टीसँ रुवी कुमारी ठाकुरके उम्मेदवारी दर्ता भेल अइछ । (रासस)





