काठमाण्डू, २७ चैतः नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम पदार्थके दाम फेरसँ बढ़ौलक अइछ । अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे पेट्रोलियम पदार्थके दाममे उतारचढ़ाव भ रहल उल्लेख करैत निगम मूल्य वृद्धि केलक अइछ ।
निगम वृहस्पैतदिन राइत १२ः०० बजेसँ लागू भेल पेट्रोल, डिजेल, मट्टितेल, खाना बनाबैला एलपी ग्यास आ हवाई इन्धनके दाम बढ़ौलक अइछ । निगम सञ्चालक समितिके बैसारसँ पेट्रोलमे प्रतिलिटर १७ टका आ डिजेल आ मट्टितेलमे प्रतिलिटर २५–२५ टकाके हिसाबसँ दाम वृद्धि कएल गेल अइछ ।
तहिना, खाना बनाबैला एलपी ग्यासके मूल्य प्रतिसिलिन्डर एक सओ टकाके हिसाबसँ दाम बढ़ाएल गेल अइछ । निगमके अनुसार हवाई इन्धन (आन्तरिक)दिस प्रतिलिटर छ टकाके हिसाबसँ वृद्धि कएल गेल अइछ ।
नयाँ मूल्यसूची अनुसार आब काठमाण्डू उपत्यकामे पेट्रोलके मूल्य प्रतिलिटर दू सओ १९ टका कायम भेल अइछ । तहिना, डिजेल आ मट्टितेल प्रतिलिटर दू सओ सात टका कायम भेल अइछ । खाना बनाबैबला एलपी ग्यास प्रतिसिलिन्डर दू हजार १० टका कायम भेल अइछ । तहिना, हवाई इन्धन (आन्तरिक)दिस प्रतिलिटर दू सओ ५७ टका कायम कएल गेल अइछ । रासस
भंसार महसुल आ पूर्वाधार विकास करके नाममे उठाबैत आएल शुल्कमे ५० प्रतिशत छुट देलाक बादो घाटा कम नै भेल कहैत दाम बढ़ाबए पड़ल सरकारके दाबी अइछ । मूल्य वृद्धि भेलाक बाद निगमकेँ पाक्षिक रूपमे करिब सात अरब ८१ करोड़ टका घाटा होबाक निगमके दाबी अइछ ।
–––





