रासस/एपी
तेहरान, २५ चैतः अमेरिका आ इरान बीच दू हप्ताके अस्थायी युद्ध विराम करबाक सहमति भेल अइछ । अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प विनाशकारी आक्रमणके चेतावनी फिर्ता लेलाक बाद उक्त सहमति भेल जनाओल गेल अइछ ।
निर्धारित समयसीमा समाप्त होबएसँ किछ घण्टा पहिने ट्रम्प प्रशासन युद्धसँ पाछु होइत वार्ता करबाक बतौलाक बाद सहमति भेल अइछ । इरान सेहो युद्ध विराम स्वीकार कएने घोषणा करैत पाकिस्तानमे अमेरिका सङे वार्ता आगु बढ़ेबाक लेल कहने अइछ । यद्यपि युद्ध विराम कहियासँ लागू हएत से स्पष्ट नै भेल अवस्थामे बुधदिन भोरधैर इजरायल, इरान आ खाड़ी क्षेत्रमे आक्रमण जारी छल ।
युद्ध विरामके अवस्थामे स्ट्रेट अफ होर्मुज फेरसँ खोलबाक सहमति भेल बताओल गेल अइछ । युद्ध अन्त्यके लेल इरान अमेरिकी सेना क्षेत्रसँ फिर्ता, आर्थिक प्रतिबन्ध हटेबाक आ फ्रिज भेल सम्पत्ति फुकुवा करबाक माँग कएने अइछ । तहिना, इरान प्रस्ताव कएने १० बिन्दु योजनामे आणविक कार्यक्रमसम्बन्धी परिभाषा अलग–अलग संस्करणमे प्रस्तुत कएल गेल अइछ, जइ कारण अन्यौलता उत्पन्न भेल अइछ ।
मंगलदिन अमेरिकी राष्ट्रपति ट्रम्प सम्झौता नै भेल तँ इरानी ‘सभ्यता’ नष्ट करबाक चेतावनी देने छलैन । उक्त चेतावतीके संयुक्त राष्ट्रसङ्घक अधिकारीसभ आ कानूनी विज्ञसभ अइ तरहक सम्भावित आक्रमणकेँ अन्तर्राष्ट्रिय कानूनविपरीत ठहराेलैन ।
बितल फरवरीसँ सुरु भेल युद्धमे हजारो नागरिकके मृत्यु भ चुकल अइछ । इरान, इजरायल, लेबनान आ खाड़ी क्षेत्रमे फैलल हिंसासँ पैघ मानवीय आ आर्थिक क्षति भेल अइछ । जलडमरूमध्यमे इरानक नियन्त्रणक कारण विश्व अर्थतन्त्रमे सेहो दबाब उत्पन्न भेल अइछ ।





