महोत्तरी, २ वैशाखः मधेश प्रदेशमे आइ जुड़शीतल पाबैन मनाओल जा रहल अइछ । जुड़शीतलमे शीतलताके प्रतीकस्वरुप मान्यजनसँ माथापर पाइन राइख क आशिर्वाद लेल जाइत अइछ ।
बढ़ैत गर्मीके बीच जीवनमे शीतलताके कामना करैत जुड़शीतल मनाओल जाइत अइछ । विक्रम संवत् परम्पराके नयाँ साल सुरु भेल अवसरमे पहिल दिन ‘सतुवाइन’ विधिसँ सुरु हुअबला अइ पाबैनक दोसर दिन घरपरिवारके श्रेष्ठजन अपनासँ छोटकेँ माथापर पाइन राखैत आरोग्यता, शीतलता आ दीर्घजीवनके आशीर्वाद देल करैत छैथ । वैशाख सङ्क्रान्तिके पहिन दिन सतुवा खा क ‘सतुवाइन’ मनाओल गेल ।
सहकालके प्रतीक मानल जाएबला अइ पाबैनमे माइट आ थाल सेहो खेलल जाइत अइछ । आजुक दिन खेतबारीमे लगाएल गाछमे पाइनसँ सिञ्चित कएल जाइत अइछ ।
मिथिलामे सब समुदाय मनाबैबला अइ पाबैनक मुख्य सन्देस आपसी सद्भाव, हेलमेल आ सहकार्य रहल मानल जाइत अइछ । (रासस) image: Er. Shailendra Yadav





