आइगलगीसँ दू गोटेके मृत्युु


उदयपुर (गाईघाट), ८ वैशाखः उदयपुरके चौदण्डीगढी नगरपालिका–७ बेल्टार बजारमे आइगलगी भेलासँ दू गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।

बेल्टार बजारस्थित लक्ष्मीनाराण खड्काके घरमे आइ भोर लागल आइगसँ ७० वर्षक लक्ष्मी नारायण खड्का आ ३० वर्षक पवन खड्काके मृत्यु भेल जिला प्रहरी कार्यालयके सूचना अधिकारी निरञ्जन थापा जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार आइगलगीसँ लक्ष्मी नाराणके पड़ोसी रवीन दास आ सकल देवके घरमे सेहो क्षति भेल अइछ । त्रियुगा आ चौदण्डीगढी नगरपालिकाके दमकल आ प्रहरी तथा स्थानीयके सहयोगमे आइगलगी नियन्त्रणमे लेल गेल छल ।

आइगलगीके कारण अखनधैर प्रष्ट नै अइछ, तँ आइगलगीके कारण ६६ लाख टका बराबरके भौतिक क्षति भेल प्रहरी बतौलक अइछ ।

तहिना, उदयपुके बेलका नगरपालिका–३ सातपत्रेमे बितल राइत बरियातीबला बस मोटरसाइकलकेँ ठोकर देलासँ घटनास्थलमे एक गोटेके मृत्यु भेल अइछ । बेलका–३ सातपत्रेके २७ वर्षक रोमन बस्नेतके मृत्यु भेल प्रहरी जनौलक अइछ । प्रदेश १–०२–०४५ प ८४४६ नम्बरके मोटरसाइकलपर सातपत्रेसँ रामपुर बजारदिस जाइत समय बस्नेतकेँ सातपत्रे लग चौदण्डीगढी नगरपालिकाके माणिबाससँ बेलकादिस आइब रहल प्रदेश १–००२ ख ०१५८ नम्बरके बस ठोकर देने छल । बसक ठाेकरसँ घायल भेल बस्नेतके घटनास्थलमे मृत्यु भेल प्रहरी जनाैलक अइछ । (रासस)

–––

ताजा खबर
लोकप्रिय