युद्ध विराममे सङ्कट, अमेरिका–इरान तनाव बढ़ल


रासस/एएफपी
तेहरान, ८ वैशाख : अमेरिका आ इरान बीच जारी युद्ध विराममे सङ्कट उत्पन्न भेल अइछ । जारी युद्ध विराम समाप्त हुअ लागल समय दूनु पक्ष युद्धक लेल तैयार रहल चेतावनी देलक अइछ । दोसर चरणके वार्ताके तैयारी भ रहल समय तेहरानके दिससँ स्पष्ट धारणा सार्वजनिक नै भेलाक बाद स्थिति आओर जटिल बनल अइछ ।

ह्वाइट हाउस अनुसार उपराष्ट्रपति जेडी भान्स इस्लामाबाद वार्ताके लेल तैयार छैथ । मुदा, इरान अमेरिकी कदमप्रति गम्भीर असन्तुष्टि व्यक्त करैत वार्तामे सहभागी हएब या नै ओइ विषयमे मौनता कायम राखने अइछ । तेहरान अमेरिकापर अपन बन्दरगाहसभमे नाकाबन्दी कएने आ एकटा जहाज नियन्त्रणमे ल क युद्धविराम उल्लङ्घन कएने आरोप लगौलक अइछ ।

इरानक संसदके अध्यक्ष मोहम्मद बाघेर घालीबाफ अमेरिका वार्ताकेँ दबाबक माध्यम बनाबए चाहने आरोप लगाबैत खतराके वातावरणमे वार्ता स्वीकार्य नै होबाक बतौलैन । इरानक रिभोलुसनरी गार्ड्स होर्मुज जलडमरूमध्यसँ अनुमतिबिना पार करैबला जहाजसभकेँ निशाना बनेबाक चेतावनी देलक अइछ ।

अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प इरानपर जल डमरूमध्य क्षेत्रमे जहाजसभकेँ अवरोध क युद्धविराम उल्लङ्घन कएने आरोप लगौलैन अइछ । युद्धविरामसँ पहिने सहमति नै भेल तँ पैघ स्तरमे आक्रमण सुरु करबाक ओ चेतावनी सेहाे देलैन ।

अमेरिका–इरान वार्ताके दोसर महत्त्वपूर्ण मुद्दा इरानक समृद्ध युरेनियम भण्डार सेहो अइछ । अमेरिकी राष्ट्रपति ट्रम्प इरान उक्त भण्डार हस्तान्तरण करबाक लेल सहमत भेल दाबी कएने छलैन । मुदा, इरान उक्त दाबीकेँ अस्वीकार करैत युरेनियम हस्तान्तरण नै करबाक स्पष्ट केलक अइछ । इरानी विदेश मन्त्रालयके प्रवक्ता अइ विषयमे वार्तामे विकल्पके रूपमे नै उठाएल गेल बतौने छैथ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय