कमला नदी दोहन विरुद्ध सभामुख यादवकेँ ज्ञापनपत्र


महेन्द्रनगर (धनुषा), ८ वैशाख : कमला नदी तथा चारनाथ नदीमे भ रहल अवैध उत्खनन रोकबाक माँग करैत सरोकारवालासभ आइ मधेश प्रदेश सभाक सभामुख रामअशिष यादवसमक्ष ज्ञापनपत्र पेस केलक अइछ ।

ज्ञापनपत्रमे सिन्धुलीसँ उद्गम भ उदयपुर, सिरहा आ धनुषा होइत बहैबला कमला नदी तराई–मधेशक उर्वरता आ जनजीवनमे महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कएलाक बादो बितल समय अनियन्त्रित उत्खननके कारण नदीके स्वरूप बिगैर रहल उल्लेख कएल गेल अइछ ।

नदीके वहाब परिवर्तन भेलापर तटीय क्षेत्रक वस्ती जोखिममे पड़ल, खेतीयोग्य जमीनमे बालु जमा भ रहल तथा स्थानीय बासिन्दा त्रसित बनबाक अवस्थाक उत्पन्न भेल नदी अवैध उत्खनन विरुद्धक अभियानक संयोजक राम एकवाल शर्मा (बाली) बतौलैन ।

विशेष क धनुषाके गणेशमान चारनाथ नगरपालिका क्षेत्रमे नदीजन्य पदार्थके अवैध उत्खनन तीव्र रूपमे बढ़ल आ अइमे स्थानीय सरकार, क्रसर उद्योगी तथा किछ निकायक मिलिभगत रहल आरोप ज्ञापनपत्रमे लगाएल गेल अइछ ।

ज्ञापनपत्रमे कमला नदी क्षेत्रमे उत्खनन करैत समय वातावरणीय मापदण्ड तथा कानुनी प्रक्रिया पालन नै कएल गेल, प्रारम्भिक वातावरणीय परीक्षण प्रतिवेदन सेहो अवास्तविक बनाएल गेल संयोजक शर्माके कहब छैन । तहिना, उत्खननके कारण चुरे क्षेत्र तथा वन्यजन्तुके बासस्थानमे गम्भीर असर भेल उल्लेख अइछ ।

ज्ञापनपत्रमे अवैध उत्खनन तत्काल रोकए, संलग्न पक्षसभकेँ कानुनी दायरामे आनए, वातावरणीय प्रभावक अध्ययन क दीर्घकालीन व्यवस्थापन करए तथा चुरे संरक्षण कार्यक्रम प्रभावकारी रूपमे कार्यावंयन करबाक लेल माँग कएल गेल अइछ ।

तहिना, धनुषाके वीरेन्द्रबजार–महिनाथपुर सड़कखण्डमे बिना बिल तथा राजस्व चुक्ता कएने बिना एक सओसँ बेसी टिपर नदीजन्य पदार्थ ओसारपसार क रहलप्रति सेहो ध्यानाकर्षण कराएल गेल अइछ । ज्ञापनपत्रमार्फत सरोकारवालासभ हमरासभक माँग सात दिनमे सम्बोधन करबाक लेल आग्रह करैत माँग सम्बोधन नै भेलापर चरणबद्ध आन्दोलन करबाक चेतावनी देलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय