वीरगञ्ज (पर्सा), १० वैशाखः वीरगञ्ज नाकासँ चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे ७९ अरब ५४ करोड़ टका बराबरके माल सामान विदेश निर्यात कएल गेल अइछ ।
वीरगञ्ज भंसार कार्यालय अनुसार बितल आर्थिक वर्षक नौ महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे १० अरब १९ करोड़ टका अर्थात १५ प्रतिशत बेसी निर्यात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके नौ महिनामे ६९ अरब ३५ करोड़ टका बराबरके माल सामान निर्यात कएल गेल छल ।
वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्ट चालु आर्थिक वर्षमे अइ नाकासँ १५ प्रतिशत निर्यात बढ़ल बतौलैन । अइ नाकासँ चालु आर्थिक वर्षके नौ महिनामे ४३ अरब ६१ करोड़ टका बराबरके भटमासके प्रशोधित तेल निर्यात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे ३६ अरब ६२ करोड़ टका बराबरके भटमासके प्रशोधित तेल निर्यात कएल गेल छल । चालु आर्थिक वर्षके नौ महिनामे पाँच अरब ८४ करोड़ टका बराबरके फलफूलके जुस विदेशी देशमे निर्यात कएल गेल अइछ, तँ बितल आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे पाँच अरब ७७ करोड़ टका बराबरके निर्यात कएल गेल छल ।
तहिना, चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे पाँच अरब २४ करोड़ टका बराबरके प्रशोधित पाम तेल निर्यात कएल गेल अइछ, तँ बितल आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे ५९ करोड़ टका बराबरके मात्रे निर्यात कएल गेल छल । चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे पाँच अरब पाँच करोड़ टका बराबरके सूर्यमुखीके प्रशोधित तेल निर्यात कएल गेल अइछ, तँ बितल आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे छ अरब ६१ करोड़ टका बराबरके निर्यात कएल गेल छल । चालु आर्थिक वर्षके नौ महिनामे दू अरब ६९ करोड़ टका बराबरके विभिन्न किसिमक कपड़ा निर्यात कएल गेल अइछ । तहिना, चालु आर्थिक वर्षके नौ महिनामे एक अरब ९४ करोड़ टका बराबरके सिन्थेटिक यार्न निर्यात कएल गेल वीरगञ्ज भंसार जनौलक अइछ । (रासस)





