महेन्द्रनगर (धनुषा), ११ वैशाखः मधेश प्रदेशसभाक चालु अधिवेशन आइ मध्यराइतसँ अन्त हएत ।
मधेश प्रदेश प्रमुखके कार्यालय आइ विज्ञप्ति जारी करैत मधेश प्रदेश मन्त्रिपरिषद्के सिफारिसमे नेपालके संविधानके धारा १८३के उपधारा (२) बमोजिम प्रदेश प्रमुख सुरेन्द्रलाभ कर्णसँ शुक्रदिन राइत १२ः०० बजेसँ प्रदेशसभाक चालु अधिवेशन अन्त कएल गेल जनौलक अइछ ।
मन्त्रिपरिषद्के इएह वैशाख ९ गतेके बैसार आइ मध्यराइतसँ अधिवेशन अन्त करबाक निर्णय कएल छल । (रासस)





