एकेबेर १७ चिकित्सकके लाइसेन्स खारेज


काठमाण्डू, ११ वैशाख: नेपाल मेडिकल काउन्सिल एके बेर १७ गोटे चिकित्सकके दर्ता प्रमाणपत्र (लाइसेन्स) खारेज केलक अइछ ।

काउन्सिल नेपाली नागरिकता परित्याग कएने १७ गोटे चिकित्सकके लाइसेन्स दर्ता खारेज कएल गेल काउन्सिलक रजिष्ट्रार डा सतिश कुमार देव जानकारी देलैन। ओ उक्त चिकित्सकके दर्ता किताबसँ नाम हटाएल गेल बतौलैन ।

“नेपाल मेडिकल काउन्सिल ऐन २०२०, नियमावली २०२४, नेपाल नागरिकता ऐन २०६३ अनुसार नेपाली नागरिकता परित्याग क विदेशी राहदानी लेने १७ गोटे चिकित्सकके काउन्सिलके दर्ता किताबसँ नाम दर्ता खारेज करबाक निर्णय कएल गेल अइछ”, ओ कहलैन ।

हुनक कहब अनुसार डा शर्मिला गुरुङ, डा रोशन भुसाल, डा मोती गुरुङ, डा देवराज रेग्मी, डा मेरिना गुरुङ, डा नीरञ्जनदेव पाण्डे, डा रोजन केसी, डा ममता गुरुङ, डा राजीव हमाल, डा सलुजा सिंह थारु, डा सुजना केसी, डा जोस्ना शाही, डा मनिषा हमाल, डा सुप्रिया शाक्य, डा इच्छा न्यौपाने, डा दीपेन ढकाल आ डा तुसार सरवजनाके खारेज कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय