उपत्यकाके चाइर स्थानमे तोड़ल गेल अतिक्रमित १२ सओसँ बेसी घर/संरचना


काठमाण्डू, १४ वैशाख : काठमाण्डू उपत्यकाके चाइर स्थानमे सरकारी तथा सार्वजनिक जग्गा अतिक्रमित क बनाएल गेल एक हजार २ सओ ७२ घर/संरचना टहरा तोड़ल गेल अइछ । नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल, काठमाण्डू महानगरपालिकाक नगर प्रहरीके समवंयमे सरकारी टोली शैनदिन आ रैबदिन काठमाण्डूके थापाथली, गैरीगाउँ–बानेश्वर आ जड़िबुटी तथा भक्तपुरके मनोहरा क्षेत्रमे अवैध रुपमे निर्माण कएल गेल घर/संरचना तोड़ल गेल अइछ ।

उक्त चाइर स्थानमे कुल एक हजार ६ सुओ ५० घर/संरचना रहल प्रहरीके तथ्याङ्कमे उल्लेख अइछ । गैरीगाउँ–सिनामङ्गल क्षेत्रमे १५ टा पक्की घर आ मनोहरा वस्ती (भक्तपुर) मे ३ सओ ६५ घर/संरचना तोड़बाक बाँकी रहल केन्द्रीय प्रहरी प्रवक्ता अविनारायण काफ्ले राससकेँ जानकारी देलैन ।

शैनदिन काठमाण्डूके थापाथलीस्थित बागमती नदी कातमे अतिक्रमण क निर्माण कएल गेल एक सओ ४३ घर/संरचना तोड़ल गेल । जोखिमयुक्त क्षेत्रमे निर्माण कएल उक्त संरचना हटौलाक बाद घरबारविहीन भेल ३४ परिवारक एक सओ १५ सदस्यकेँ काठमाण्डू महानगरपालिकाके सहयोगमे राधास्वामी सत्सङ्ग भवन कीर्तिपुरमे राखल गेल अइछ ।

तहिना, गैरीगाउँ–बानेश्वर क्षेत्रमे रहल ५ सओ ७८ मध्ये शैनदिन ५ सओ ६० घर/संरचना तोड़ल गेल । सुरक्षाकर्मीके टोलीद्वारा रैबदिन थप पाँचटा घर तोड़ल गेल । ओइ क्षेत्रमे अखनो १५ टा पक्की घर तोड़बाक बाँकी अइछ । काठमाण्डू महानगरपालिका–९ अन्तर्गत गैरीगाउँ–सिनामङ्गल क्षेत्रक अतिक्रमित संचरना हटेबाक लेल सुरक्षाकर्मी खटल छल ।

रैबदिन मनोहरा जड़िबुटी (काठमाण्डू) दिस एक सओ १४ घर÷संरचना तोड़ल गेल प्रहरी जनौलक अइछ । ओइ क्षेत्रमे अन्दाजी ६ सओ गोटे बसोबास करैत आएल छल । ओकरासभकेँ सुरक्षित स्थानमे राखल गेल अइछ । तहिना, मनोहरा वस्ती (भक्तपुर) दिस ८ सओ १५ मध्ये ४ सओ ५० सँ बेसी घर/संरचना तोड़ल गेल अइछ ।

मनोहरा नदी कातमे रैबदिन भोर १०ः०० बजेसँ काठमाण्डू महानगरपालिकाके सातटा डोजरके सहयोगमे अतिक्रमित संरचना तोड़बाक काज सुरु कएल गेल छल । वर्षाके कारण रैबदिन संरचना हटेबाक काज रोकल गेल छल । मुदा, आइ बाँकी संरचना हेटबाक काज भ रहल अइछ ।

सहरी विकास मन्त्रालय जोखिमयुक्त क्षेत्रमे बसोबास क रहल नागरिककेँ सुरक्षित स्थानमे स्थानान्तरण करबाक तथा आवश्यकताअनुसार व्यवस्थापन सहज रूपमे आगु बइढ़ रहल जनौलक अइछ ।

सहारा नै भेल तथा वास्तविक समस्यामे रहल नागरिकके लेल सरकार दोसर व्यवस्था नै भेलाधैर होटल तथा लजमे रहबाक, खानालगायत आधारभूत सुविधाके प्रबन्ध मिलौने अइछ ।

काठमाण्डू उपत्यका विकास प्राधिकरणके विकास आयुक्त जानुका ढकाल सुरुआती चरणमे जोखिमयुक्त क्षेत्रक वस्ती हटेबाक आ दोसर चरणमे भूमिहीनके पहिचान क बसोबासके उचित व्यवस्थापन करबाक बतौलैन । अतिक्रमित जमीन खाली करेबाक क्रममे घरबारविहीन नागरिकके प्रारम्भिक विवरण सङ्कलन करबाक आ बसोबासके व्यवस्था कएल गेल प्राधिकरण जनौलक अइछ ।

एहि बीच, अव्यवस्थित बस्तीसँ होल्डिङ सेन्टरमे आनल गेल बालबालिकामे मनोसामाजिक असर भ सकैत अइछ कहि मनोसामाजिक असर न्यूनीकरण करबाक लेल आइसँ काठमाण्डू महानगरपालिका ओकरासभक लेल खेल तथा मनोरञ्जनात्मक कार्यक्रम सञ्चालन करबाक तैयारी केलक अइछ । महानगरके सामाजिक विकास विभागअन्तर्गत उक्त कार्यक्रम सञ्चालन हएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय