काठमाण्डू, १४ वैशाखः शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री सस्मित पोखरेलसँ नेपालक लेल चिनियाँ राजदूत चाङ माओमिङ शिष्टाचार भेटवार्ता केलैन अइछ ।
सिंहदरबारस्थित मन्त्रालयमे आइ भेल भेटमे नेपालक शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि आ खेलकुदसहितक क्षेत्रमे चीन सरकारक सहयोग आ सहकार्यके बारेमे बातचित भेल अइछ ।
विशेष क विद्यालयके पूर्वाधार, पठनपाठनमे ‘डिजिटल’ प्रणालीलगायत संस्थागत विकास एवं समसामयिक विषयमे बातचित भेल जनाएल गेल अइछ । तहिना, नेपाल–चीन बीचक ऐतिहासिक दू पक्षीय सम्बन्ध, सहयोग आ आपसी सहकार्यमे केन्द्रित परामर्श सेहो भेल अइछ ।
नेपाल सरकारक प्रवक्ता सेहो रहल शिक्षामन्त्री पोखरेल विद्यालयके पूर्वाधार विकास, पठनपाठनमे डिजिटल प्रणालीके संस्थागत विकाससहित चिनियाँ सरकारसँ साझेदारी आ सहकार्य वृद्धिके अपेक्षा रहल बतौलैन । शिक्षा क्षेत्रमे सञ्चालित परियोजना जल्दी सम्पन्न करए तथा नेपाली युवासभक इच्छा अनुसारक चीन सरकारसँ प्राप्त हुअबला छात्रवृत्ति प्रवर्द्धन करबाक सम्बन्धमे मन्त्री पोखरेल ध्यानाकर्षण करौलैन ।
चिनियाँ राजदूत माओमिङ नेपाल सरकारक दिससँ राखल गेल विषयमे चीन सरकार साझेदारी आ सहकार्यके लेल इच्छुक रहल बतौलैन ।
उक्त भेटमे दू देश बीचक आपसी हित आ बहुआयामिक सम्बन्धकेँ आओर मजबुत बनाबैत आगु बढ़बाक विषयमे समझदारी बनल अइछ । (रासस)





