रासस/सिन्ह्वा
वासिङ्टन, १५ वैशाख : अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प इरानक नयाँ शान्ति प्रस्तावमे असन्तुष्ट रहल अमेरिकी मिडिया जनौलक अइछ । इरानक उक्त प्रस्तावमे होर्मुज खोलबाक आ इरानक बन्दरगाहमे अमेरिकी सैन्य नाकाबन्दी समाप्त करबाक प्रयासकेँ प्राथमिकतामे राइख आणविक विषयकेँ समावेश नै कएल गेल ह्वाइट हाउस अधिकारीकेँ उद्धृत करैत मिडियासभ जनौलक अइछ ।
राष्ट्रपति ट्रम्प सोमदिन ह्वाइट हाउसमे भेल बैसारमे अपन शीर्ष अधिकारीसभसँ इरानक प्रस्ताव बारेमे परामर्श कएने छलैन ।
ट्रम्प इरानक प्रस्ताव स्वीकार करबाक सम्भावना नै रहल बैसारक सहभागीसभकेँ उद्धृत करैत सिएनएन जनौलक अइछ ।
फक्स न्यूज सङेके अन्तर्वार्तामे अमेरिकी विदेश मन्त्री मार्को रुबियो इरानक नयाँ प्रस्ताव समग्रमे नीक भेलाक बादो तेहरानकेँ आणविक हतियार विकास करएसँ रोकबाक लेल जोड़ देलैन ।
अइसँ पहिने ट्रम्प इरानसँ शान्ति सम्झौता निर्धारित समयमे होबाकमे जोड़ दैत इरान सङे युद्ध समाप्त करबाक लेल युद्ध विराम या वार्तामे कोनो किसिमके दबाब नै रहल बतौने छलैन ।





