वीरगञ्ज नाकासँ २६ अरब १३ करोड़क सवारीसाधन आ पार्टपुर्जा आयात


वीरगञ्ज (पर्सा), १६ वैशाख : वीरगञ्ज नाकासँ चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे २६ अरब १३ करोड़ टका बराबरके सवारीसाधन आ पार्टपुर्जा आयात कएल गेल अइछ ।

बितल आर्थिक वर्षके नौ महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षक ओइ अवधिमे छ अरब ९४ करोड़ अर्थात् ३६.१९ प्रतिशत बेसीके आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षक नौ महिनामे १९ अरब १९ करोड़ टका बराबरके सवारीसाधन आ पार्टपुर्जा आयात कएल गेल छल ।

वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्ट चालु आर्थिक वर्षमे सवारीसाधन आ ओइमे प्रयोग हुअबला पार्टपुर्जाके आयातमे वृद्धि भेल बतौलैन । चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे सवारीसाधनमे प्रयोग हुअबला पार्टपुर्जाके आयातसँ १८ अरब २२ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षक ओइ अवधिमे सवारीसाधन आयातसँ १४ अरब ८४ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल छल ।

चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे एक अरब १७ करोड़ टका बराबरके ५ सओ ९१ टा इन्धनसँ चलैबला जीप, कार आ भ्यान आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षक ओइ अवधिमे एक अरब ६६ करोड़ टका बराबरके ८ सओ ५ टा इन्धनसँ चलैबला जीप, कार आ भ्यान आयात कएल गेल छल । चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे छ अरब ४२ करोड़ टका बराबरके ४५ हजार ६ सओ २० टा मोटरसाइकल (अन एसेम्वल्ड) आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षक नौ महिनामे चाइर अरब ६७ करोड़ टका बराबरके ३५ हजार ७ सओ ९९ टा मोटरसाइकल (अन एसेम्वल्ड) आयात कएल गेल छल ।

तहिना, चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे दू अरब चाइर करोड़ टका बराबरके २१ हजार ६ सओ ३९ टा ट्याक्टर तथा टिलर आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षक नौ महिनामे एक अरब ३५ करोड़ टका बराबरके १३ हजार ८ सओ ६१ टा ट्याक्टर तथा टिलर आयात कएल गेल छल ।

चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे दू अरब ९८ करोड़ टका बराबरके विद्युतीय सवारीसाधन आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षक नौ महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षक ओइ अवधिमे मूल्यके आधारमे विद्युतीय सवारीसाधनके आयात १०२ प्रतिशत अर्थात् एक अरब ५० करोड़ टकासँ बेसी आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षक नौ महिनामे एक अरब ४८ करोड़ टका बराबरके विद्युतीय सवारीसाधनके आयात कएल गेल छल ।

चालु आर्थिक वर्षक नौ महिनामे एक अरब ४६ करोड़ टका बराबरके ४ सओ ९३ टा विद्युतीय जीप, कार आ भ्यान आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षक ओइ अवधिमे ४८ करोड़ टका बराबरके एक सओ ७२ टा विद्युतीय जीप, कार आ भ्यान आयात कएल गेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय