काठमाण्डू, १९ वैशाखः जल तथा मौसम विज्ञान विभाग, मौसम पूर्वानुमान महाशाखा अनुसार आइ दुपहर मधेश प्रदेशसहित लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराई भू–भागमे मेघगर्जन आ ठण्का, हावा बिहाइर, पत्थर खसब सहित मध्यम वर्षा तथा हिमपातके सम्भावना अइछ ।
महाशाखा अनुसार कोशी, मधेश, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशसहित कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक पहाड़़ी आ हिमाली भू–भागमे साधारणतया बादल लागत तथा सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराई भू–भागमे आंशिक बादल लागल रहत ।
आइ राइत कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेशसहित देशक हिमाली आ पहाड़़ी भू–भागमे साधारणतया बादल लागत आ तराई भू–भागमे आंशिक बादल लागत । कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक किछ स्थानसभमे तथा लुम्बिनी आ कर्णाली प्रदेशक पहाड़़ी आ हिमाली भू–भागके किछ स्थानसभमे आ बाँकी भू–भागके एक–दू स्थानमे मेघगर्जन तथा ठण्का, हावा बिहाइर, पत्थर सहित मध्यम वर्षा आ हिमपातके सम्भावना अइछ । (रासस)





