तीन दशक पहिनुकवा विद्यार्थी सेहो मौका परीक्षा द सकत


काठमाण्डू, १९ वैशाखः त्रिभुवन विश्वविद्यालय (त्रिवि) शैक्षिकपंचाङ्ग सुधारैत अनियमित परीक्षा धमाधम सञ्चालन क रहल अइछ ।

त्रिवि परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय अगिला साओनसँ नियमित शैक्षिकपंचाङ्गअनुसार परीक्षा सञ्चालन करए लेल अखन अनियमित भेल परीक्षाकेँ धमाधम सञ्चालन क रहल कार्यालयक परीक्षा नियन्त्रक लक्ष्मण पौडेल जानकारी देलैन अइछ । “अखन हमरासभ अनियमित शैक्षिकपंचाङ्गकेँ सुधारए लेल महिनामे तीनसँ चाइर प्रकारक परीक्षा ल रहल छी,” ओ कहलैथ, “२०५३ सालसँ मौका परीक्षा सेहो अखारधैर परीक्षा भ रहल अइछ ।”

स्नातक तहके बिएएलएलबीके दोसर वर्ष, स्नातक तह नियमित दोसर वर्ष, वि.टेक पहिल आ दोसर वर्षके परीक्षा सञ्चालन भ रहल अइछ ।

परीक्षा नियन्त्रक पौडेल अखारधैर सब परीक्षा सम्पन्न क अगिला साओनसँ शैक्षिकपंचाङ्गमे उल्लेख कएल गेल २०८३ अन्तर्गतके परीक्षा सञ्चालन करबाक बतौलैन । हुनक कहब अनुसार जेठ महिनामे तीन वर्षे स्नातक तहके पहिल वर्ष आ चारवर्षे स्नातक तहदिस पहिल वर्ष, बिएएलएलबी तेसर वर्ष, विटेक तेसर वर्षके परीक्षाके कार्यतालिका सार्वजनिक क चुकल अइछ ।

एहिने अखार महिनामे स्नातक तहके सब सङ्कायके चारिम वर्षके नियमित परीक्षा निर्धारित अइछ । “अखारधैर हमरासभ कोरोना भाइरस आ जेनजी आन्दोलनसँ नियमित नै भ सकल परीक्षा सम्पन्न क साओनसँ त्रिविके शैक्षिकपंचाङ्गअनुसार नियमित परीक्षा करब,” ओ कहलैन ।

अखन सञ्चालन होएबला उक्त परीक्षामे करिब एक लाख १५ हजार परीक्षार्थी सहभागी भेल अइछ ।

सओ दिनमे परीक्षाफल

परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय सओ दिनमे परीक्षाफल प्रकाशित क रहल अइछ । आब परीक्षा भेल सओ दिनमे परीक्षाफल प्रकाशित क रहल परीक्षा नियन्त्रक पौडेल जानकारी देलैन ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय