विश्वकप लिग २ः ओमान विरुद्ध नेपालक जीत


काठमाण्डू, २२ वैशाखः आइसिसी पुरुष विश्वकप क्रिकेट लिग २ अन्तर्गतके त्रिकोणात्मक शृङ्खलामे नेपाल ओमानसँ ८१ रनसँ जीतल अइछ ।

जीतक लेल २५७ रन लक्ष्यके ओमान ३९.५ ओभरमे १७५ रनेमे ‘अलआउट’ भेल। ओमानक कप्तान जतिन्दर १२, हस्नैन उल वहाब २९ रन, हम्माद मिर्जा ३४ रन, विनायक शुक्ला ३६ रन, आर्यन बिष्ट ६ रन, जीतेन रमणान्दी ३ रन तथा वसीम अली १० रन मात्र बनौने छल । अन्त्यदिस हस्नैन शाह १४ रन आ नदीम खान १२ रन बनेलक ।

नेपालक लेल गुल्सन झा पाँच विकेट, सन्दीप लामिछाने, करण केसी, दीपेन्द्र सिंह ऐरी आ नन्दन यादव समान एक–एक विकेट लेलक ।

टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने नेपाल ४९.५ ओभरमे सब विकेट क्षतिमे २५६ रन बनौने छल । इनिङ्सके सुरूआतेमे विनोद भण्डारी शून्येमे आउट भेलाक बाद नेपाल दबाबमे पड़ल छल । मुदा तकरा बाद आसिफ शेख आ अर्जुन कुमाल महत्त्वपूर्ण साझेदारी करैत टोलीकेँ सम्हारलक ।

आसिफ शेख उत्कृष्ट ब्याटिङ करैत ९४ रन बनेलक । ओ सात चौका आ पाँच छक्का प्रहार केलैथ । तहिना अर्जुन कुमाल ४८ रनके योगदान देलक तँ मध्यक्रममे दीपेन्द्र सिंह ऐरी ३३ रन बनेलक ।

आरिफ शेख २४ बलमे ४३ रन बनेलक । ओमानक लेल नदीम खान तीन विकेट लेलक तँ शकिल अहमद आ हस्नैन शाह समान दू–दू विकेट लेलक ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय