काठमाण्डू उपत्यकामे ट्राफिक चेकजाँचमे कड़ाइ


काठमाण्डू, २५ वैशाख : काठमाण्डू उपत्यकामे बढ़ैत सवारी चापकेँ दुर्घटनाक घटना नियन्त्रण करए लेल ट्राफिक प्रहरी चेकजाँचमे कड़ाइ कएने अइछ। उपत्यकाके मुख्य सड़क, चोक तथा उपत्यकामे आबैबला प्रमुख नाका नागढुंगा सहित क्षेत्रमे विशेष ट्राफिक चेकजाँच अभियान सञ्चालन कएल गेल अइछ।

उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालय सवारी दुर्घटना न्यूनीकरणकेँ प्राथमिकतामे राखैत यात्रीवाहक तथा मालवाहक सवारीसाधनपर विशेष निगरानी बढ़ौने अइछ। ट्राफिक नियम उल्लङ्घन करैबला, क्षमतासँ बेसी यात्री चढ़ने, मादक पदार्थ सेवन क सवारी चलाबैबला तथा प्राविधिक रूपसँ कमजोर अवस्थामे रहल सवारीसाधनकेँ लक्षित क अभियान सञ्चालन कएल गेल उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालय जनौलक अइछ।

अइ अभियानमे काठमाण्डू उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालयक प्रमुख एवम् प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक नवराज अधिकारी स्वयं सड़कपर खटल छैथ। ट्राफिक प्रहरी प्रमुख अधिकारी दुपहरसँ राइतधैर एत विभिन्न स्थानमे पहुँच क ट्राफिक व्यवस्थापन, चेकजाँच तथा चालककेँ सचेतनामूलक जानकारी देबाक काज क रहल ट्राफिक प्रहरी प्रवक्ता एवम् प्रहरी उपरीक्षक नरेशराज सुवेदी जानकारी देलैन।

पछिला समय नागढुंगा, कलङ्की, कोटेश्वर, चाबहिल, जडीबुटी, बल्खु, महाराजगन्ज, नयाँ बसपार्क लगायत व्यस्त क्षेत्रमे ट्राफिक प्रहरीक उपस्थिति बढ़ाएल गेल अइछ।

उपत्यकामे बढ़ैत सवारी चापके कारण सड़क व्यवस्थापन चुनौतीपूर्ण बनैत गेल अवस्थामे ट्राफिक प्रहरी सड़क अनुशासन कायम करए लेल विभिन्न चेतनामूलक कार्यक्रम सेहो सञ्चालन क रहल अइछ। विद्यालय, कलेज तथा सार्वजनिक स्थानमे ट्राफिक सचेतना अभियान सञ्चालन क नागरिककेँ नियम पालन करए लेल आग्रह कएल गेल अइछ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय