काठमाण्डू, २५ वैशाख : परराष्ट्र मन्त्रालय लिम्पियाधुरा, लिपुलेक आ कालापानी क्षेत्रमे देखल गेल सीमा समस्या कूटनीतिक तहसँ समाधान करए लेल सरकार लागल जनौलक अइछ ।
मन्त्रालयद्वारा आइ आयोजित कार्यक्रममे प्रवक्ता लोकबहादुर पौडेल क्षेत्री लिपुलेकके सन्दर्भमे सरकारक स्पष्ट धारणा सार्वजनिक भ चुकल बतौलैन ।
चीन आ भारतबीच सञ्चालन होएबला कैलाशमान सरोवर यात्रा नेपाली भूमि लिपुलेक होइत जा रहल स्पष्ट धारणा इएह वैशाख २० गते सार्वजनिक कएल गेल प्रवक्ता क्षेत्रीके कहब अइछ । नेपाल सरकार महाकालीसँ पूरब लिम्पियाधुरा, लिपुलेक आ कालापानी नेपालके भूमि रहल से तथ्य १८१६के सुगौली सन्धिसँ स्पष्ट उल्लेख कएल गेल इएह अडानमे नेपाल कूटनीतिक समाधानके प्रयास क रहल ओ स्पष्ट केलैन ।
सङे अइ विषयमे दुनु पड़ोसी देश भारत आ चीनकेँ जानकारी भेल आ बेर बेर स्मरण कराबैत आएल प्रवक्ता क्षेत्री बतौलैन । (रासस)





