महेन्द्रनगर (धनुषा), २६ वैशाखः मधेश प्रदेशमे पहिल बेर न्यायिक महोत्सव आइ जनकपुरधाममे भ रहल अइछ ।
न्यायिक सेवा प्रवाहकेँ आओर प्रभावकारी, पारदर्शी आ नागरिकमैत्री बनेबाक उद्देश्यसँ अदालतके कार्यप्रगति, मुद्दा फछ्र्योटके अवस्था तथा अगिला न्यायिक मेला कएल जा रहल जनकपुर उच्च अदालतके कायममुकायम मुख्य न्यायाधीश टेकनारायण कुँवर बतौलैन ।
मेलामे अदालतके समग्र कार्यसम्पादन, मुद्दा व्यवस्थापन प्रणाली, सेवा प्रवाह, पुरान मुद्दा फछ्र्योटके अवस्था तथा नागरिककेँ न्यायिक प्रक्रियाबारे सहज जानकारी उपलब्ध करेबाक उद्देश्य आयोजन कएल जा रहल अइछ ।
कायममुकायम मुख्य न्यायाधीश कुँवर न्यायपालिकाप्रति नागरिकके विश्वास कायम करए लेल जल्दी, निष्पक्ष आ प्रभावकारी न्याय सम्पादन आवश्यक रहल बतौलैन । हुनक कहब अनुसार अदालत पुरान मुद्दा फछ्र्योटकेँ प्राथमिकता द क कार्य क रहल अइछ । न्यायमे नागरिकके पहुँच विस्तार करएमे सञ्चारमाध्यमके भूमिका महत्त्वपूर्ण रहबाक हुनक विश्वास अइछ ।
कायममुकायम मुख्य न्यायाधीश कुँवर अनुसार ‘न्यायिक मेला’केँ न्यायपालिका आ नागरिक बीचके दूरी घटेबाक माध्यम रूपमे लेल गेल अइछ । मेलामार्फत अदालतके सेवा, न्यायिक प्रक्रिया, वैकल्पिक विवाद समाधान, कानुनी सहायता तथा नागरिक अधिकारसम्बन्धी जानकारी सर्वसाधारणधैर पहुँचेबाक ओ जानकारी देलैन अइछ । (रासस)





