डिजिटल निगरानीक बाद कार्यान्वयन प्रभावकारी हेबाक अपेक्षा


काठमाण्डू । भंसार प्रशासन अनलाइन प्रणाली कार्यान्वयन सङे अखन भारतीय सवारीसाधनक नेपाल बसाइ अवधि, प्रवेश संख्या आ समयसीमा उल्लङ्घनक विवरण सहजे ‘ट्रयाक’ क सकएबला जनाएल गेल अइछ।

नेपाल सरकार सड़कमार्गसँ नेपाल आबैबला विदेशी पर्यटकके सवारीसाधनक लेल अनलाइन दर्ता तथा राजस्व भुक्तानी प्रणाली शुरू भ चुकल अइछ। नवका व्यवस्थाक अनुसार भारत सहित अन्य देशसँ निजी सवारीसाधन ल क नेपाल भ्रमणमे आबैबला पर्यटक यात्रा शुरू करएसँ पहिने अनलाइनक माध्यमसँ अपन सवारीक विवरण दर्ता करए सकय छैथ। सङे आवश्यक राजस्व शुल्क सेहो डिजिटल माध्यमसँ भुक्तानी क सकबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ।

भुक्तानी प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद पर्यटककेँ इमेलक माध्यमसँ क्युआर कोड उपलब्ध कराएल जाएत। सीमा नाकामे क्युआर कोड देखा क सवारीसाधनकेँ नेपाल प्रवेशक अनुमति देल जेबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ।

ई प्रणालीक दोसर विशेषता ई छै जे सवारी अनुमति अवधिक नवीकरण प्रक्रिया सेहो अनलाइनसँ कएल जा सकैत अइछ।

यात्राक क्रममे अनुमतिक अवधि समाप्त भेलापर पर्यटक नेपाल भितर अनलाइनसँ अनुमति नवीकरण क सकय छैथ। अइ लेल फेर सीमा नाका जेबाक आवश्यकता नै पड़त से जनाएल गेल अइछ। AI Image

ताजा खबर
लोकप्रिय