वैशाखमे एसइई नतिजा सार्वजनिक हएत, अन्तिम तैयारीमे परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय


काठमाण्डू, २७ वैशाखः परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय २०८२ सालके माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (एसइई)के नतिजा प्रकाशनक तैयारी सुरु केलक अइछ ।

बितल चैत १९ गतेसँ २९ गतेधैर सञ्चालन भेल उक्त परीक्षाके उत्तरपुस्तिका परीक्षा समाप्त भेलाक बाद परीक्षण एवं सम्परीक्षण सुरु कएल गेल आ वैशाख २९ गतेधैर परीक्षाफल सार्वजनिक करबाक राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड जनौलक अइछ ।

परीक्षा नियन्त्रक टुकराज अधिकारीके कहब अनुसार अखन ३५ गोटे कर्मचारी ‘टेबुलेसन’मे व्यस्त छैथ । वैशाख २९ गतेधैर परीक्षाफल प्रकाशन करबाक लक्ष्य अइछ ।

‘माध्यमिक शिक्षा परीक्षा (एसइई) व्यवस्थापन तथा उत्तरपुस्तिका परीक्षण निर्देशिका, २०८२’ मे परीक्षा सम्पन्न भेल बेसीमे तीन दिनमे उत्तरपुस्तिका परीक्षण करबाक व्यवस्था अइछ ।

बितल साल नियमित आ स्तरवृद्धि क पाँच लाख १२ हजार ४ सओ २१ विद्यार्थी परीक्षामे सहभागी भेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय