आइसँ सरकारी कार्यालयमे सरसफाइ अभियान


काठमाण्डू, २८ वैशाखः सार्वजनिक सेवा प्रवाहकेँ मर्यादित, स्वच्छ आ वातावरणमैत्री बनेबाक लेल आइसँ सरकारी कार्यालयमे ‘राष्ट्रिय सरसफाइ सप्ताह’ सुरु भेल अइछ । सरकार आइसँ जेठ १ गतेधैर सङ्घ, प्रदेश आ स्थानीय तहके सब कार्यालयमे सरसफाइ सप्ताह सुरु केलक अइछ ।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालय एक विशेष मार्गदर्शन जारी करैत सङ्घीय मन्त्रालयसँ स्थानीय तहधैर सब निकायकेँ अइ अभियानमे सक्रिय सहभागी होबाक लेल निर्देशन देलक अइछ ।

राष्ट्रिय अभियानके औपचारिक शुभारम्भ वीर अस्पतालसँ कएल गेल अइछ । अभियानसँ सरकारी निकायसभमे न्यून लागतमे अधिकतम प्रतिफल प्राप्त हुअजका सरसफाइ मापदण्ड कार्यावंयन करबाक लक्ष्य सरकार जारी कएने ‘सरसफाइ सप्ताह सञ्चालनसम्बन्धी मार्गदर्शन, २०८३’ मे राखल गेल अइछ ।

सरकारी कार्यालयसभमे नियमित सरसफाइ आ कचरा व्यवस्थापनक स्पष्ट मापदण्ड नै भेलासँ सेवा प्रवाह, कर्मचारी आ सेवाग्राहीके स्वास्थ्यमे नकारात्मक असर भ रहल सन्दर्भमे उक्त मार्गदर्शन तैयार कएल गेल अइछ । “सरकारी निकायसभमे स्वच्छ आ सुरक्षित काज वातावरण कायम करबाक लेल प्रभावकारी सरसफाइ व्यवस्थापन आवश्यक छै”, मार्गदर्शनके पृष्ठभूमिमे उल्लेख कएल गेल अइछ ।

मार्गदर्शनअनुसार सरकारी सूचना बोर्ड, नागरिक बडापत्र आ सङ्केत चिह्नसभ स्पष्ट आ व्यवस्थित होबए पड़त ।

तहिना, सब शौचालयकेँ दुर्गन्धरहित बनाएल जाएत आ नियमित पाइनक व्यवस्था सुनिश्चित कएल जाएत । हात धुअबला स्थानमे साबुन अनिवार्य कएल गेल अइछ आ दैनिक सफाइके अभिलेख राखए पड़त । शौचालयसभ महिलामैत्री, ‘स्यानिटरी डिस्पोजल’ सुविधायुक्त आ सम्भव भेलाधैर अपाङ्गतामैत्री होबए पड़त ।

दीर्घकालीन आ अनुगमनके संयन्त्र

अभियानकेँ दीर्घकालीन बनेबाक लेल प्रत्येक निकायके एकटा ‘सरसफाइ सम्पर्क व्यक्ति’ निर्धारण करए पड़त । प्रत्येक हप्ताके सरसफाइ कार्यतालिका निर्माण क मासिक रूपमे स्व–मूल्याङ्कन करबाक व्यवस्था मार्गदर्शनसँ कएल गेल अइछ ।

अइ अभियानक कार्यावंयन आ अनुगमनके सम्पूर्ण जिमेवारी सम्बन्धित निकायक प्रमुखकेँ देल गेल अइछ । जइसँ एकर नियमित अभिलेख राखए पड़त । अभियानसँ सब सङ्घीय, प्रादेशिक आ स्थानीय कार्यालयसहित सार्वजनिक शैक्षिक संस्थासभकेँ सेहो समेटल जाएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय