मन्त्रिपरिषद बैसार : नीति तथा कार्यक्रम स्वीकृत


काठमाण्डू, २८ वैशाखः सरकार अगिला आर्थिक वर्षके नीति तथा कार्यक्रमकेँ स्वीकृत केलक अइछ ।

मन्त्रिपरिषदक आइ भेल बैसारसँ राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलद्वारा सङ्घीय संसदक दूनु सदनके संयुक्त बैसारमे प्रस्तुत हुअबला नीति तथा कार्यक्रमके सम्बोधनकेँ स्वीकृत कएल गेल अइछ ।

आइ दुपहर ४ बजे राष्ट्रपति पौडेलके नेपालक संविधानके धारा ९५ बमोजिम सङ्घीय संसदक दूनु सदनके संयुक्त बैसारमे सरकारक नीति तथा कार्यक्रम प्रस्तुत करबाक सम्भावित कार्यसूची अइछ ।

मन्त्रिपरिषद बैसारसँ नेपालक संविधानके धारा ९५ बमोजिम राष्ट्रपतिद्वारा हुअबला सम्बोधनकेँ स्वीकृत कएल गेल सरकारक प्रवक्ता एवं शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री सस्मित पोखरेल जानकारी देलैन ।

सङ्घीय संसदक दूनु सदनके अधिवेशन आइसँ सुरु भ रहल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय