पश्चिमी वायुक प्रभावः देशक विभिन्न स्थानमे वर्षा आ हिमपातक सम्भावना


काठमाडौँ, १ जेठः हाल देशमे पश्चिमी आ स्थानीय वायु तथा न्यून चापीय क्षेत्रक प्रभाव रहल अइछ। जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखाक अनुसार अखन कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली तथा पहाडी भागमे साधारणतया बदली रहत तँ बाँकी भेगमे आंशिक बदली रहत। बागमती आ गण्डकी प्रदेशक किछु तथा कोशी प्रदेशक एक-दू स्थानमे मेघगर्जन सहित हल्कासँ मध्यम वर्षा भ रहल अइछ।

आइ दुपहर कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेश सहित देशक हिमाली तथा पहाडी भागमे साधारणतया बदली रहत तथा तराईमे आंशिक बदली हेत। कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक किछु स्थान, बाँकी हिमाली तथा पहाडी भागक किछु तथा तराईके एक-दू स्थानमे मेघगर्जन तथा ठण्का सहित मध्यम वर्षाके सम्भावना अइछ।

एहीना, आइ राइत कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेश सहित देशक हिमाली तथा पहाडी भू–भागमे साधारणतया बदली रहत तथा बाँकी पहाडी आ तराई भू–भागमे आंशिक बदली रहबाक पूर्वानुमान कएल गेल अछि। कोशी आ मधेश प्रदेश सहित बागमती आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली तथा पहाडी भू–भागक किछु तथा कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक हिमाली भू–भागक एक-दू स्थानमे मेघगर्जन तथा चट्याङ सहित मध्यमसम्म वर्षा तथा हिमपातक सम्भावना रहल मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलक अइछ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय