चिनीमे आत्मनिर्भरताक लेल उत्पादन वृद्धिके योजना


काठमाण्डू । सरकार चिनीमे परनिर्भरता विद्यमान अवस्था अन्त्यक लेल उन्नत उइखसँ उत्पादन वृद्धिके योजना आगू बढ़ाएल गेल अइछ ।

कृषि, वन तथा पर्यावरण मन्त्रालयमार्फत नेपालमे सञ्चालित चिनी उद्योगके उत्पादन क्षमता अभिवृद्धिक लेल सब पक्षके समन्वयमे किसानकेँ उइख खेतीमे आधुनिक प्रविधि प्रयोग सम्बन्धमे सहजीकरण करए लेल तैयारी भ रहल उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रालय जनौलक अइछ ।

भारत सरकार हाल चिनी निर्यातसम्बन्धी नीतिगत व्यवस्थामे परिवर्तन क निर्यातमे प्रतिबन्धित कएल परिस्थितिमे बीच सरकार उक्त तैयारी शुरू कएने अइछ ।

आम उपभोक्ताके हित, बजार मूल्यके स्थिरता तथा चिनीके सहज उपलब्धताक सम्बन्धमे उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री गौरी कुमारी हाल नेपाल चिनी उत्पादक संघके पदाधिकारी आ सरोकारवाला मन्त्रालय/निकायक प्रतिनिधिसँ बातचित कएने मन्त्रालय जनौलक अइछ ।

सरकार दीर्घकालीन रूपमे चिनीमे आत्मनिर्भरताक लेल चिनी उत्पादनके प्रतिस्पर्धात्मक क्षमता वृद्धि करबाक योजना बनाएल गेल अइछ । उद्योगीसभ सेहो बजारमे चिनीके सहज तथा सुलभ मूल्यमे नियमित आपूर्ति करबाक प्रतिबद्धता जनौने अइछ ।

बजारमे चिनीके अभाव नै होबाक लेल आपूर्ति मन्त्रालय उत्पादन प्रवर्धन, आपूर्ति व्यवस्थापन, बजार अनुगमन आ नियमनकेँ प्रभावकारी बनेबाक निर्णय केलक अइछ । उद्योगी–व्यवसायी उत्पादन तथा उत्पादकत्व अभिवृद्धि, स्वच्छ बजार आ उपभोक्ता हित संरक्षणमे सहयोग करत ।

नेपालमे सञ्चालित चिनी उद्योगमे भेल मौज्दात तथा खाद्य व्यवस्था तथा व्यापार कम्पनी लिमिटेड आ साल्ट ट्रेडिङ कर्पोरेसन लिमिटेड आयात कएने चिनी करिब आठ महिनाके माँग पूरा करबाक उद्योग मन्त्रालय जनौलक अइछ ।

मन्त्रालय उपभोक्ता एवम् सरोकारवालामे चिनीके अनावश्यक सञ्चिति नै करए लेल आग्रह केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय