राजविराज । आगामी जेठ १५ गते सँ प्रदर्शनमे आबि रहल नेपाली चलचित्र ‘कुम्भ’ क प्रचार–प्रसार मधेशमे सेहो तीव्र कएल जा रहल अइछ ।
सप्तरी कलाकार संघक समन्वयमे राजविराजमे आयोजित चलचित्रक प्रोमोशन कार्यक्रममे कलाकार, पत्रकार, वकिल, नागरिक अगुवा, युवा आ विद्यार्थीसभक उपस्थिति छल । कार्यक्रममे चलचित्रक नायक अशोक आर्यन अपन एक दशकक कठिन मेहनतिक बल पर नेपाली चलचित्र उद्योगमे नायकक रूपमे अवसर भेटल बतौलनि। अपन जन्मथलो सप्तरीक चर्चा करैत ओ कहलैन, “सप्तरीक दर्शकसभ सिनेमाघरमे जा कए अइ फिल्मकेँ समर्थन करू। एकर सफलतासँ हमर मात्र नइँ, नव प्रतिभाशाली कलाकारसभक प्रवेश लेल सेहो बाट खुलत।”
चलचित्रक लेखक तथा निर्देशक रन्धिर श्रेष्ठक निर्देशनमे निर्माण भेल ‘कुम्भ’ एक्सन आ प्रेमकथापर आधारित चलचित्र अइछ। नायक आर्यनक अनुसार नेपाली चलचित्र इतिहासमे फरक शैलीमे निर्माण भेल ई फिल्म दर्शकसभक मन जीतए मे सफल रहत।
चलचित्रमे दक्षिण भारतीय कलाकार सुरेन्द्र ठाकुरक सेहो अभिनय रहल अइछ, जाहिसँ फिल्म आरो आकर्षक बनल अइछ। एहि अतिरिक्त वरिष्ठ कलाकार सुनिल थापा, सुशील पोखरेल, रोहित रुम्बा, अफ्सना थापा आ सृष्टि खड्काक अभिनय सेहो देखए लेल भेटत। चलचित्रमे अशोक आर्यन आ सृष्टि खड्काक प्रेमकथाकेँ फरक शैलीमे प्रस्तुत कएल गेल अइछ।
नायक आर्यनक अनुसार चलचित्रक अधिकांश छायांकन काठमाडौं, रौतहट, सर्लाही आ कर्नाटकक विभिन्न स्थानसभमे कएल गेल अइछ। चलचित्रक द्वन्द्व निर्देशन संजय थापाद्वारा कएल गेल अइछ, जखन कि निर्माणमे रन्धिर श्रेष्ठ आ राजेश साहक भूमिका रहल अइछ।
राजविराज नगरपालिका–२ निवासी अशोक आर्यन विगत एक दशक सँ नेपाली, मैथिली आ हिन्दी म्यूजिक भिडियोसभमे सक्रिय छइथ। ओ वाक तथा श्रवण विशेषज्ञ सेहो छथि। विद्यालय जीवनसँ कला क्षेत्रप्रति रुचि राखनिहार आर्यन स्वास्थ्य सेवा आ कलाकारिता दुनू क्षेत्रमे निरन्तर आगाँ बढÞि रहल छइथ ।





