अभ्यास खेलमे नेपालद्वारा मलेसिया पराजित


काठमाण्डू, ६ जेठ : नेपाली महिला राष्ट्रिय क्रिकेट टोली घरेलु टोली मलेसियाकेँ पहिल टि–२० अन्तर्राष्ट्रिय खेलमे पराजित केलक अइछ ।

मलेसियाके बायोमास ओभल क्रिकेट मैदानमे आइ सम्पन्न खेलमे नेपाल मलेसियाकेँ दू विकेटसँ पराजित केलक अइछ । जीतके लेल मलेसिया प्रस्तुत कएने ६८ रनके लक्ष्यसहित मैदान आएल नेपाल १७.३ ओभरमे आठ विकेटके नोक्सानीमे पूरा केलक ।

नेपालक लेल सम्झना खड्का सर्वाधिक ३२ रनके योगदान देलैन, तँ रुबी पोद्दार १५ रन आ कविता जोशी छ रन बनौलैन ।

बलिङदिस मलेसियाके नूर कलिसा तीन विकेट लेलैन, तँ आइसा एलिसा आ एल्सा हन्टर समान दू–दू विकेट लेलैन । टस जीत क पहिने ब्याटिङ करबाक निर्णय कएने मलेसिया १६.५ ओभरमे सब विकेटके नोक्सानीमे ६७ रन बनौने छल । मलेसियाके लेल एल्सा हन्टर सर्वाधिक १० रन बनौलैन । तहिना, कप्तान मास एलिसा आठ रन बनौलैन, तँ माहिरा इजाती आ एर्दिना बेल समान सात–सात रन बनौलैन ।

नेपालक लेल पूजा महतो तीन विकेट लेलैन, तँ रिया शर्मा आ मनिषा उपाध्याय समान दू–दू विकेट लेलैन । कविता कुँवर आ सीता रानामगर समान एक–एक विकेट लेलैन ।

एसियन छनौट तथा एसिसी प्रिमियर कप खेलबाक लेल मलेसिया पहुँचल नेपाली टोली मलेसियासँ दू अभ्यास खेल खेलए लागल अइछ । नेपाल आ मलेसिया बीचके दोसर खेल इएह जेठ ८ गते हएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय