आइ कोशी, मधेश, बागमतीसहित गण्डकी प्रदेशमे वर्षाके सम्भावना


काठमाण्डू, ६ जेठ : हाल नेपालमे पश्चिमी वायु आ स्थानीय वायुके प्रभाव अइछ । एकर प्रभावक कारण देशक पहाड़ी आ हिमाली भू–भागमे साधारणतया मेघ लागल अइछ, तँ बाँकी तराई भू–भागमे मौसम मुख्यतया सफा रहल जल तथा मौसम विज्ञान विभाग, मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलक अइछ ।

महाशाखा अनुसार आइ दुपहर कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेशलगायत लुम्बिनी आ कर्णाली प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भू–भागमे साधारणतया मेघ लागत । बाँकी प्रदेशक हिमाली आ पहाड़ी भू–भागमे आंशिक मेघ लागत, तँ बाँकी तराई भू–भागमे मुख्यतया सफा रहत । कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक किछ स्थान तथा मधेश प्रदेशलगायत बाँकी हिमाली आ पहाड़ी भू–भागक किछ स्थानमे मध्यमधैर वर्षा आ हिमपातके सम्भावना अइछ । सुदूरपश्चिम आ लुम्बिनी प्रदेशक तराई भू–भागमे गरम दिन होबाक सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ ।

तहिना, आइ राइत कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेशमे साधारणतया मेघ लागत, तँ बाँकी पहाड़ी आ हिमाली भू–भागमे आंशिक मेघ लागत । बाँकी तराई भू–भागमे मौसम मुख्यतया सफा रहत । कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक एक–दू स्थानमे मेघगर्जन, ठन्कासहित हल्का वर्षा आ हिमपातके सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय