काठमाण्डू, ७ जेठः विभिन्न आठ विश्वविद्यालयके रिक्त उपकुलपति पदके लेल आएल कूल २ सओ १८ उम्मेदवारके आवेदनपर छनौट तथा सिफारिस समिति अध्ययन सुरु केलक अइछ ।
उपकुलपति नियुक्तिके लेल शिक्षा तथा खेलकुद मन्त्रालयमे रहल छनौट तथा सिफारिस समिति इच्छुक तथा योग्य उम्मेदवारकेँ १० दिनमे दरखास्त देबाक लेल बितल वैशाख २५ गते आह्वान कएने छल । उक्त सूचना बमोजिम सबसँ बेसी त्रिभुवन विश्वविद्यालयके उपकुलपतिमे ५० गोटे आवेदन देने छल ।
पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय आ पोखरा विश्वविद्यालयके लेल ३८/३८, सुदूरपश्चिम विश्वविद्यालयके लेल १९, मध्यपश्चिम विश्वविद्यालय २०, लुम्बिनी बौद्ध विश्वविद्यालयके लेल ११, कृषि तथा वन विज्ञान विश्वविद्यालयके लेल १५, राजर्षि जनक विश्वविद्यालयके लेल २७ गोटे आवेदन देने मन्त्रालय जनौलक अइछ । आवेदकसभक कागजात अध्ययन (छानबिन) क स्वीकृत उम्मेदवारके सूची प्रकाशन क छनौट प्रक्रिया आरम्भ करबाक तैयारी समिति केलक अइछ ।
बितल वैशाख २४ गते स्वीकृत ‘विभिन्न विश्वविद्यालयके उपकुलपति छनौट तथा सिफारिससम्बन्धी एकीकृत कार्यविधि, २०८३’ स्वीकृत भेल छल । नेपाल सरकारक सिफारिसमे राष्ट्रपतिद्वारा जारी कएल गेल सार्वजनिक निकायके पदाधिकारीके पदमुक्तिसम्बन्धी विशेष अध्यादेशसँ विभिन्न विश्वविद्यालयके पदाधिकारी पदमुक्त भेलाक बाद नयाँ नियुक्तिके प्रक्रिया सुरु भेल अइछ ।
छनौटके लेल शिक्षामन्त्री सस्मित पोखरेल, शिक्षा तथा खेलकुद मन्त्रालयके सचिव चुडामणि पौडेलसहित सम्बन्धित विश्वविद्यालयके लेल सम्बन्धित विज्ञ रहल समिति गठन कएल गेल अइछ । (रासस)





