उत्तर भारतमे गर्मीसँ जनजीवन प्रभावित


रासस/एपी
नयाँदिल्ली, ७ जेठ : उत्तर भारतमे अत्यधिक गर्मीके कारण जनजीवन अस्तव्यस्त भेल अइछ । दिनक समयमे सड़क आ बजारसभ प्रायः सुनसान अइछ, तँ कृषकसँ ल क व्यापारीधैर असह्य तापक्रमसँ बचबाक लेल अपन काज राइतमे करबाक लेल बाध्य भेल अइछ ।

भारतक मौसम विभाग अनुसार राजधानी नयाँ दिल्लीमे आइ अधिकतम तापक्रम करिब ४५ डिग्री सेल्सियस (११३ फरेनहाइट) पहुँचबाक पूर्वानुमान कएल गेल अइछ । अत्यधिक गर्मीके जोखिमकेँ ध्यानमे राइख अधिकारीसभ नागरिककेँ राहत देबाक लेल विभिन्न स्थानमे अस्थायी ‘कुलिङ जोन’ स्थापना कएने अइछ । ओइ स्थानमे लोकसभक लेल किछ समय ठन्डा वातावरणमे समय बितेबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।

मौसम विभाग आबैबला दिनमे उत्तरी क्षेत्रक अधिकांश स्थानमे तापक्रम मौसमी औसतसँ आओर बेसी होबाक चेतावनी देलक अइछ । विशेष क दुपहरके समयमे अत्यधिक गर्मी भेलासँ घरमे रहए, अनावश्यक बाहर नै निकलए आ गर्मीजन्य स्वास्थ्य समस्या रोकबाक लेल आवश्यक सावधानी अपनेबाक लेल अधिकारीसभ आग्रह केलक अइछ ।

संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय जलवायु प्रतिवेदनसँ सम्बन्धित तथा पुणेस्थित फ्लेम विश्वविद्यालयके सार्वजनिक नीति प्राध्यापक अञ्जल प्रकाशके कहब अनुसार मानव–सिर्जित जलवायु परिवर्तनक कारण भारतक तापक्रम उल्लेखनीय रूपमे बइढ़ रहल अइछ । हुनक कहब अनुसार उत्तरपश्चिम भारत अन्य क्षेत्रके तुलनामे आओर तीव्र रूपमे गरम भ रहल अइछ ।

जनस्वास्थ्य क्षेत्रक अध्ययनसभसँ सन् २००८ सँ २०१९ धैर प्रत्येक साल औसत एक हजार एक सओ १६ गोटेके मृत्यु गर्मीके कारण भेल देखल गेल अइछ । मुदा, विज्ञसभक अनुसार वास्तविक सङ्ख्या आओर बेसी होबाक अनुमान अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय