एक हजार ९२२ गोटे सवारी चालक कारबाहीमे


काठमाण्डू, ९ जेठः ट्राफिक प्रहरी पछिला चौबिस घण्टामे काठमाण्डू उपत्यकाके विभिन्न स्थानसभमे सञ्चालन कएल चेकजाँचमे एक हजार ९२२ गोटे सवारी चालककेँ कारबाही केलक अइछ । उक्त कारबाहीसँ १९ लाख ७० हजार दू टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ ।

जाँचमे मापसे ११८, राइड सेयरिङमे १९८, लालबत्तीमे १२६, तीव्र गतिमे १३१, लेनक्रसमे ७३, सड़क फुटपाथमे ९०, हर्न निषेधमे ९५, एकतर्फीमे १०५, आन ९८६ केँ कारबाही कएल गेल उपत्यका ट्राफिक प्रहरी प्रमुख एवम् प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक नवराज अधिकारी जानकारी देलैन।

उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालयक अनुसार नेपाल प्रहरी अस्पतालके प्राविधिक टोलीके सहयोगमे उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालय, लागुऔषध नियन्त्रण ब्यूरो तथा ट्राफिक प्रहरी प्रभाग थलीके संयुक्त टोली सवारी चालकसभमे विशेष परीक्षण कएने छल । उक्त क्रममे लागुपदार्थ सेवन क सवारीसाधन चला रहल अवस्थामे पाँच गोटे चालकके नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ ।

नियन्त्रणमे पड़ल मध्ये दू गोटे बस चालक, एक गोटे मिनीट्रक चालक, एक गोटे लाइट गाड़ी चालक तथा एक गोटे हात्ती भ्यान चालक रहल अइछ ।

काठमाण्डू उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता एवम् प्रहरी उपरीक्षक नरेशराज सुवेदी संयुक्त टोलीद्वारा कएल गेल चेकिङमे चालकसभके स्वास्थ्य परीक्षणमे लागुपदार्थ सेवन कएल पुष्टि भेलाक बाद नियन्त्रणमे लेल गेल जानकारी देलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय