बागमती, ९ जेठः उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री गौरी कुमारी यादव लम्बा समयसँ बन्द रहल हेटौँडा कपड़ा उद्योग पुनः सञ्चालनके लेल गृहकार्य भ रहल बताैलैन अइछ ।
हेटौँडास्थित औद्योगिक क्षेत्रके आइ निरीक्षण करैत मन्त्री यादव रुग्ण हेटौँडा कपड़ा उद्योग सञ्चालनमे आएत तँ देशक आर्थिक विकासमे सहयोग पहुँचत तँए जल्दीए कपड़ा उद्योग सञ्चालनके तीव्रता देबाक बतौलैन ।
देशक आर्थिक अवस्थाकेँ सुदृढ बनाबए आ रोजगारीके वातावरण सृजना करए लेल सरकार बन्द उद्योग सञ्चालनमे अनबाके नीति लेने उल्लेख करैत मन्त्री यादव अगिला आर्थिक बजेटमे बजेट विनियोजन कएल जेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
मन्त्री यादव हेटौँडा औद्योगिक क्षेत्र व्यस्थापन कार्यालयसङे बन्द अवस्थामे रहल हेटौँडा कपड़ा उद्योगके निरीक्षण केलैन । उक्त अवसरमे हेटौँडा औद्योगिक क्षेत्र व्यस्थापन कार्यालयक प्रमुख संगिता कुँवर औद्योगिक क्षेत्रभितर सञ्चालित उद्योगसभके अवस्थाबारे मन्त्री यादवकेँ जानकारी करेलैथ ।
अमेरिकी सरकारक आर्थिक सहयोगमे वि.सं. २०२० अगहन २० गते स्थापना भेल उक्त औद्योगिक क्षेत्रमे हाल १४७ उद्योग तथा प्रतिष्ठान छै ।
कूल तीन हजार २२८ रोपनी क्षेत्रफलमे पसरल उक्त औद्योगिक क्षेत्रभित्र अखन खाद्य उद्योग, युनाइटेड ब्रुअरी (पेय पदार्थ), गोर्खा ब्रुअरी कम्पनी, एसियन पेन्ट्स, पशु आहारा दाना उद्योग, कार्टुन उद्योग प्रमुख उद्योगके रुपमे सञ्चालनमे छै । (रासस)





