बेलायतक ‘इण्डो प्यासिफिक’ मन्त्रीद्वारा पशुपतिनाथके दर्शन


काठमाण्डू, १० जेठः बेलायतक ‘इण्डो प्यासिफिक’मन्त्री सीमा मल्होत्रा आइ पशुपतिनाथके दर्शन केलैन अइछ । बेलायती मन्त्री मल्होत्रा पशुपतिनाथ मूल मन्दिरमे रहल अन्य देवी देवताके सेहो दर्शन कएने पशुपति क्षेत्र विकास कोष, संस्कृति महाशाखाके निमित्त प्रमुख अरुण श्रेष्ठ राससकेँ जानकारी देलैन ।

दर्शन कएलाक बाद ओ पशुपतिनाथके मूल अर्चक गणेश भट्टसँ टीका तथा प्रसाद ग्रहण केलैन । पशुपतिनाथ आ प्राचीन मठ, मन्दिरके बारेमे मन्त्री मल्होत्राकेँ कोषक पुरातत्व अधिकृत सुशील कुमार गौतम जानकारी करौने छलैन ।

मन्दिरके दर्शनक बाद कोषके आगन्तुक पुस्तिकामे ओ नीक आध्यात्मिक भ्रमणक अवसर प्राप्त भेल आ अइसँ आनन्द प्राप्त भेल उल्लेख केलैन । मन्त्री मल्होत्राकेँ कोषक सदस्य सचिव राम बहादुर कुँवरलगायत वरिष्ठ कर्मचारी पशुपतिनाथ मन्दिर परिसरमे स्वागत कएने छलैन । मन्त्री मल्होत्रा शुक्रदिन नेपाल भ्रमणक लेल काठमाण्डू आएल छलैन । शैनदिन ओ कपिलवस्तुस्थित तिलौराकोटके सेहो भ्रमण कएने छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय