काठमाण्डू, ११ जेठ : नेपाल माल्दिभ्सकेँ पराजित करैत सेन्ट्रल एसियन भलिबल एसोसिएसन (काभा) महिला भलिबल प्रतियोगिताके सेमिफाइनलमे प्रवेश केलक अइछ ।
त्रिपुरेश्वरस्थित राष्ट्रिय खेलकुद परिषदक कभर्डहलमे रैबदिन सम्पन्न समूह चरणके अन्तिम खेलमे नेपाल माल्दिभ्सकेँ ३–० सँ पराजित करैत सेमिफाइनलमे प्रवेश केलक अइछ । नेपाल समूह ‘ए’सँ सेमिफाइनल पहुँचल अइछ ।
जितसहित तीन खेल खेलने नेपाल सात अङ्कसहित तालिकाके शीर्षस्थानमे अइछ । नेपाल अपन पहिल खेलमे भारतसँ पराजित भेल छल, तँ रैबदिन भेल दोसर दोसर खेलमे कीर्गिस्तानकेँ पराजीत कएने छल ।
तहिना, नेपालक समूहमे रहल भारत दोसर स्थानमे अइछ । भारतके पाँच अङ्क अइछ । तहिना, ओएह समूहमे रहल कीर्गिस्तानके तीन अङ्क अइछ, तँ माल्दिभ्स अङ्कविहीन समूह चरणसँ बहराएल अइछ ।
तहिना, आइ समूह ‘ए’अन्तर्गत भारत आ कीर्गिस्तान बीच खेल हएत । आजुक खेलके बाद नेपालक समूहके विजेता आ उपविजेताके निर्णय हएत । (रासस)





