काठमाण्डू, १२ जेठः नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) सन् २०२६ के लेल ३८ पुरुष तथा २५ महिला क्रिकेट खेलाड़ीके नयाँ वर्गीकरण सार्वजनिक केलक अइछ ।
क्यानद्वारा सोमदिन जारी प्रेस विज्ञप्तिअनुसार खेलाड़ीके खेल प्रदर्शन आ योगदानक आधारमे ओकरासभकेँ विभिन्न श्रेणीमे विभाजन कएल गेल अइछ । पुरुषदिसके ‘ए’ प्लस श्रेणीमे कप्तान रोहित कुमार पौडेल, दीपेन्द्रसिंह ऐरी तथा सन्दीप लामिछाने छैथ । सोमपाल कामी, आसिफ शेख, कुशल भुर्तेल आ करण केसीकेँ ‘ए’ श्रेणीमे समावेश कएल गेल अइछ ।
तहिना ‘बी’ श्रेणीमे ललित नारायण राजवंशी, आरिफ शेख, भीम सार्की, नन्दन यादव आ गुलशन झा छैथ, तँ ‘सी’ श्रेणीमे सन्दीप जोरा, अर्जुन कुमाल, कुशल मल्ल, शेर मल्ल, ईशान पाण्डे, बशिर अहमद, लोकेश बम, शाहव आलम, हेमन्त धामी, विनोद भण्डारी आ अनिल साह छैथ ।
विकास दिसके ‘डी’ श्रेणीमे त्रितराज दास, राशिद खान, सन्तोष यादव, नारायण जोशी, विपिन खत्री, रिजन ढकाल, युवराज खत्री, देव खनाल, पवन सर्राफ, आकाश चन्द, दीपक डुम्रे, अर्जुन घर्ती, अर्जुन साउद, प्रतिश जिसी आ सागर ढकाल समावेश छैथ ।
तहिना, महिला क्रिकेट टोलीदिस इन्दु वर्मा, पूजा महतो, रुविना क्षेत्री आ सिता राना मगर ‘ए’ श्रेणीमे छैथ । कविता कुँवर, सम्झना खड्का आ मनिषा उपाध्याय ‘बी’ श्रेणीमे छैथ । तहिना, इन्दु रावल, कविता जोशी, रुवी पोदार आ रिया शर्मा ‘सी’ श्रेणीमे समावेश छैथ, तँ विकास दिसके ‘डी’ श्रेणीमे रोमा थापा, सुमन विष्ट, इश्वरी विष्ट, सोनु पाख्रिन, साना प्रवीन, सवित्री धामी, काजल श्रेष्ठ, सीमा केसी, अनु कडायत, यशोदा विष्ट, लक्ष्मी साउद, ममता चौधरी, अस्मिना कर्माचार्य आ रचना चौधरी छैथ ।
क्यान पुरुषदिस ‘ए प्लस’ श्रेणीके खेलाड़ीकेँ मासिक एक लाख २० हजार टका पारिश्रमिक उपलब्ध करेबाक निर्णय केलक अइछ । ‘ए’ श्रेणीके खेलाड़ीके एक लाख टका, ‘बी’ श्रेणीके खेलाड़ीके ७५ हजार टका, ‘सी’ श्रेणीके खेलाड़ीके ५५ हजार टका तथा विकासदिस ‘डी’ श्रेणीके खेलाड़ीके मासिक ३५ हजार टका देल जाएत ।
तहिना, महिलादिस ‘ए’ श्रेणीके खेलाड़ीकेँ मासिक ५५ हजार टका, ‘बी’ श्रेणीकेँ ४० हजार टका, ‘सी’ श्रेणीकेँ ३० हजार तथा विकासदिस ‘डी’ श्रेणीकेँ मासिक २५ हजार टका पारिश्रमिक देबाक क्यान जनौलक अइछ । (रासस)





