काठमाण्डू, १२ जेठः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह वास्तविक आ व्यवहारमे देखार होएबला नेपाली नागरिकके दैनिक जीवनस्तरके उन्नतिक लेल अपन नेतृत्वके सरकार प्रतिबद्ध रहल बताैलैन अइछ ।
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालयमे आइ काठमाण्डू आ नयाँ दिल्लीस्थित युरोपेली संघ (इयू) तथा एकर सदस्य राष्ट्रके राजदूत तथा काठमाण्डूस्थित अन्य देशक राजदूतसँ भेल संयुक्त भेटवार्तामे प्रधानमन्त्री शाह वर्तमानके अत्यावश्यकता आ हमरासभकेँ देल गेल गहन जिमेवारीके पूर्ण रूपमे बोध क रहल बतौलैन ।
प्रधानमन्त्री शाहक प्रेस सलाहकार दीपा दाहाल अनुसार उक्त भेटमे प्रधानमन्त्री शाह नेपालमे निर्वाचनके परिणाम सुशासन आ समावेशी आर्थिक समृद्धिक लेल स्पष्ट तथा निर्णायक जनादेश देलक आ नयाँ सरकार गठन भेलोपर नीतिगत निरन्तरता रहबाक स्पष्ट केलैन ।
प्रधानमन्त्री शाह कहलैन, “नयाँके अर्थ विगतसँ पूरापूरी रूपमे अलग बनब से नै छियै । नेपालके नीति निर्देशन स्पष्ट, स्थिर आ अनुमानयोग्य होबाक सुनिश्चित करैत हमरासभ लोकतान्त्रिक मूल्यमान्यताके संरक्षण आ राजनीतिक स्थिरता कायम करए लेल पूर्ण रूपमे प्रतिबद्ध छी ।”
नेपालके सुशासन आ अर्थतन्त्रके समावेशी वृद्धिक लेल सरकार प्रतिबद्ध रहल ओ उल्लेख केलैन । “हमर पड़ोसी, विकास साझेदार आ मित्र राष्ट्रसभकसँ आपसी सम्मान, सार्वभौम समानता आ साझा समृद्धिक सिद्धान्तद्वारा निर्देशित छै,” ओ कहलैन ।
नेपालके विकास तथा समृद्धिक लेल निरन्तर सद्भाव आ सहयोगप्रति प्रधानमन्त्री शाह विकास साझेदार आ मित्रराष्ट्रसभकेँ आभार प्रकट केलैन । सङे, ओ व्यापार, लगानी, हरित ऊर्जा, जलवायु, पर्यटन तथा अन्य प्रमुख क्षेत्रमे सहकार्य करए लेल आ तकरा आओर सुदृढ बनेबाक लेल नेपाल लाइग चुकल स्पष्ट केलैन ।
भेटमे प्रधानमन्त्री शाह विश्वके विभिन्न भूभागमे द्वन्द्वके निरन्तर प्रभावित क रहलासँ सर्वसाधारण नागरिककेँ सबसँ बेसी पीडा भेल कहैत शान्ति कायम करए लेल सैन्य मुठभेडसँ संवाद, कूटनीति आ अन्तर्राष्ट्रीय कानुन प्राथमिकता मिलबाक चाही ताहिपर प्रधानमन्त्री शाह जोड़ देलैन ।
भेटमे काठमाण्डू आ नयाँ दिल्लीस्थित युरोपियन युनियनके राजदूतसभ तथा काठमाण्डूस्थित अन्य राजदूतसभ शान्तिपूर्ण रूपमे चुनाव सम्पन्न कएल कहैत नेपालके प्रशंसा कएने छल । सङे, ओसभ सुशासन, आर्थिक विकास आ समृद्धिके म्यान्डेटसहित नयाँ सरकारक नेतृत्वमे रहल प्रधानमन्त्री शाहकेँ बधाइ देने छलैथ । आर्थिक वृद्धि आ समृद्धिक लेल विभिन्न क्षेत्रमे नेपालसँ सहकार्य तथा लगानी करए लेल हमसभ तैयार रहल उल्लेख केलैन । (रासस)





