अइ साल खादके अभाव नै होए तइदिस सांसदद्वारा सरकारके ध्यानाकर्षण


काठमाण्डू, १३ जेठः प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसारमे सांसदसभ अइ साल कृषककेँ खादके अभाव नै होए कहि समयमे खाद व्यवस्थापन करबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन अइछ ।

प्रतिनिधि सभा अन्तर्गतके कृषि, सहकारी तथा प्राकृतिक स्रोत समितिके बैसारमे ‘रासायनिक खादके सहज एवं सुलभ आपूर्ति, मौज्दातके वर्तमान अवस्था आ वितरण प्रणाली’के बारेमे भेल परामर्शमे सांसदसभ विगतके सालजका अइ साल कोनो बहानामे कृषककेँ खादके अभाव नै होबाक चाही कहैत समयमे प्रक्रिया आगु बढ़ेबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन ।

सांसद ज्ञानेन्द्र सिंह महता प्रत्येक साल सरकार या सम्बन्धित निकाय खाद अभावके समस्या बताबएसँ बेसी समस्या पहिचान क समाधानक विकल्प अपनेबाक लेल बतौलैन । सांसद वशुमाया तामाङ नेपाल कृषि प्रधान देश भेलाक बादो खादके लेल सैदखन विदेशीपर निर्भर होबाक सट्टा खाद अभावके दीर्घकालीन समाधानक लेल देशमे अग्र्यानिक खाद उत्पादनकेँ प्राथमिकतासहित आगु बढ़बाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन । सांसद सन्तोष सुब्बा अखनो खादमे लगानी आ व्यवस्थापनमे प्रश्न उइठ रहल उल्लेख करैत रासायनिक खादके विकल्पदिस ध्यान देबाक लेल बतौलैन ।

समितिक सभापति अशोक कुमार चौधरी अखार १५ मे कृषकके पर्याप्त खाद उपलब्धय हुअजका तत्काल आवश्यक खाद खरिद प्रक्रिया आगु बढ़ेबाक लेल कृषि सामग्री कम्पनी लिमिटेडकेँ निर्देशन देलैन । कृषि सामग्री कम्पनी लिमिटेड देशमे हुअबला मलखादके माँगबमोजिम अनुदान बजेट एवं वार्षिक खरिद परिमाण निर्धारण नै कएलासँ कृषकके माँगबमोजिम मलखाद उपलब्ध नै कराइब सकल जनौलक अइछ ।

लिमिटेडके प्रबन्ध सञ्चालक विष्णु प्रसाद पोखरेल अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे रासायनिक खादके दाम साप्ताहिक रुपमे परिवर्तन होइत आएल मुदा, सार्वजनिक खरिद ऐन, २०६३ तथा नियमावली, २०६४ मे भेल प्रावधानबमोजिम खाद खरिद प्रक्रियामे बेसी समय (करिब २ सओ २१ दिन) लागबाक कारण समयमे खाद आपूर्ति करेबाक लेल समस्या भेल समितिसमक्ष जानकारी करौलैन ।

रासायनिक मलखाद बफर स्टकके रुपमे भण्डारण करबाक लेल गोदाम भण्डारण क्षमता वृद्धि करबाक आवश्यक भेल मुदा, गोदाम निर्माणक लेल कम्पनीमे बजेटक अभाव रहल, कम्पनीके बीया प्रशोधन कारखानासभ पुरान कमजोर भ प्रभावकारी रुपमे बीया प्रशोधन करबाक लेल समस्या भेल आ नयाँ कारखाना स्थापना करबाक लेल सेहो बजेटके अभाव रहल कम्पनीके कहब अइछ । अनुदान बजेटमे वृद्धि क आपूर्ति परिमाण कम्तीमे ६ लाख मट्रिक टन होबाक चाही से लिमिटेडके प्रबन्ध सञ्चालक पोखरेल बतौलैन ।

कृषि, वन तथा पर्यावरण मन्त्रालयके सचिव राजेन्द्र प्रसाद मिश्र मन्त्रालय अपना लग भेल सब विकल्प अपना क क्षमता अनुसार अइ साल कृषककेँ खादके अभाव नै हएत से प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय