राष्ट्रिय समाचार समिति
सप्तरी, ९ अगहन : रुपनी गाउँपालिकामे हाथीक आक्रमणसँ एक गोटेक मृत्यु भेल अइछ। आइ १ बजे हाथीक आक्रमणमे रुपनी–६ वीरेन्द्र बजार निवासी ५३ वर्षीय सुवबहादुर श्रेष्ठके घटनास्थलपर मृत्यु भेल छै।
जिला प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता हेमराज घिमिरे अनुसार बस्तीमे हाथी आएल आ घरके आगू आइग ताइप रहल श्रेष्ठके हाथी आक्रमण केलक। हुनकर बेटा अर्जुन दुर भाइग क जान बचेलक । एक सप्ताहसँ हाथीके बथान रुपनीमे प्रवेश कएलाक बाद स्थानीय लोक त्रसित बनल अइछ।
कातिक २९ गते सेहो हाथीक आक्रमणमे शुरूङ्गा नगरपालिका–४ क ७० वर्षीय गोपी चौधरीक मृत्यु भेल छल। (रासस)





