जनकपुरधाम, १० अगहनः मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव विभिन्न राजनीतिक दलके शीर्ष नेतासँ संवादके बाद सरकार विस्तार करबाक बताैलैन अइछ ।
मुख्यमन्त्री यादव आइ रासससँ सङ्क्षिप्त बातचित करैत काठमाण्डूमे जाए क विभिन्न राजनीतिक दलके केन्द्रीय अध्यक्ष लगायतके शीर्ष तहके नेतासँ संवाद कएलाक बाद सरकार विस्तार करबाक योजना रहल बतौलैन ।
मुख्यमन्त्री यादव कहलैन “किछ दिनभितरे काठमाण्डू जाएब, काठमाण्डूमे कांग्रेस, एमाले आ नेकपालगायत दलके शीर्ष नेतासँ बातचित करबै, तब सरकार विस्तार करबै।” मधेश प्रदेशमे प्रदेशसभामे प्रतिनिधित्व करैबला सब दलकेँ सहभागी करा क सर्वदलीय सरकार बनेबाक अपन इच्छा रहल मुख्यमन्त्री यादव बतौलैन । इएह अगहन ५ गते मधेश प्रदेश प्रमुख सुरेन्द्रलाभ कर्ण प्रदेशसभाक सबसँ पैघ जनता समाजवादी पार्टी नेपालके संसदीय दलके नेताके हैसियतमे यादवकेँ मुख्यमन्त्री नियुक्त कएने छल । (रासस)
–––





