लैङ्गिक हिंसाविरुद्ध शून्य सहनशीलताक नीति लागू करबाक प्रधानमन्त्री शाहक आह्वान


काठमाण्डू, ९ अगहन : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह लैङ्गिक हिंसाविरुद्ध शून्य सहनशीलताक नीति व्यवहारमे लागू करैत पीड़ितक संरक्षण, दण्डहीनताक अन्त तथा न्याय सुनिश्चित करबाक लेल सब पक्षकेँ आह्वान केलैन अइछ।

लैङ्गिक हिंसाविरुद्ध १६ दिवसीय अभियानक अवसरमे शुभकामना सन्देश दैत प्रधानमन्त्री शाह लैङ्गिक हिंसा मानव अधिकारक गम्भीर उल्लङ्घन तथा समानतामूलक समाज निर्माणक प्रमुख चुनौती रहल बतौलैन।

महिला, बालबालिका, लैङ्गिक तथा यौनिक अल्पसङ्ख्यक तथा सीमान्तकृत समुदाय हिंसासँ बेसी प्रभावित भ रहल उल्लेख करैत ओ बदलैत परिस्थितिमे डिजिटल माध्यमसँ होएवला हिंसा सेहो नवका चुनौतीक रूपमे देखल जा रहल बतौलैन। संविधानक मर्मअनुसार समानता, सामाजिक न्याय तथा समावेशिताकेँ व्यवहारमे उतारबाक लेल सब प्रकारक हिंसाक रोकथाम, पीड़ितक संरक्षण, न्यायमे पहुँच तथा दोषीपर कानुनी कारबाही सुनिश्चित करबाक चाही कहलैन।

प्रधानमन्त्री शाह लैङ्गिक हिंसा अन्त लेल कानुनी तथा संस्थागत व्यवस्था मजबूत करब, महिलाक सशक्तीकरण, बालिका शिक्षाक प्रवर्द्धन तथा पीड़ितक संरक्षण एवम् पुनर्स्थापनाकेँ सरकार प्राथमिकता द रहल बतौलैन। अइ प्रयासकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल कानूनक कार्यान्वयन, सामाजिक चेतना, संस्थागत जवाफदेहिता तथा तीनू तहक सरकारबीचक समन्वय एवम् सहकार्य अत्यावश्यक रहल हुनकर कहब छल।

भादब महिनामे भोटेकोशी क्षेत्रमे आएल बाइढ़सँ भेल क्षतिक सन्दर्भ उल्लेख करैत प्रधानमन्त्री शाह विपदक समय लैङ्गिक हिंसाक जोखिम बइढ़ सकैत छै, ताहिपर विशेष रूपसँ सचेत रहबाक आग्रह केलैन।

अभियान सफल बनेबाक लेल राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रीय संघ–संस्था, नागरिक समाज, निजी क्षेत्र, सञ्चारमाध्यम, राजनीतिक दल, अभियन्ता तथा आम नागरिकके सक्रिय सहभागिता एवम् एकताक लेल ओ आह्वान केलैन।

प्रधानमन्त्री शाह अभियान अन्तर्गत होएवला विभिन्न कार्यक्रमसँ लैङ्गिक हिंसामुक्त, न्यायपूर्ण तथा समानतामूलक समाज निर्माणमे योगदान भेटत, एहन विश्वास व्यक्त करैत अभियानक सफलताक शुभकामना देलैन। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय