वीरगञ्ज (पर्सा), १४ जेठ : वीरगञ्ज नाका भ चालु आर्थिक वर्षक १० महिनामे एक खर्ब ८१ अरब ७० करोड़ टकाके छ प्रकारक पेट्रोलियम पदार्थ आयात भेल अइछ।
बितल आवके १० महिनाक तुलनामे चालु आवक ओइ अवधिमे मूल्यके आधारमे ई नाकासँ २५ अरब ५३ करोड़ अर्थात् १६ दशमलव ३५ प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ। जखन कि बितल आवक १० महिनामे एक खर्ब ५६ अरब १७ करोड़ मूल्यक छ प्रकारके पेट्रोलियम पदार्थ भितरल छल।
वीरगञ्ज भंसार कार्यालयक सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्ट चालु आवक १० महिनामे पेट्रोलियम पदार्थसभक आयातसँ ६७ अरब १९ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल बतौलैन। चालु आवक १० महिनामे एक खर्ब ५७ करोड़ टकाके आठ लाख ९५ हजार दू सओ ४६ किलोलिटर डिजेल आयात भेल अइछ। जखन कि बितल आवक १० महिनामे ७९ अरब ५७ करोड़ टकाके नौ लाख ८५७ किलोलिटर डिजेल आयात भेल छल।
३५ अरब ७९ करोड़ टकाके तीन लाख ९० हजार ६१५ किलोलिटर पेट्रोल आयात भेल अइछ। बितल आवक १० महिनामे ३१ अरब ७१ करोड़ टकाके तीन लाख ६७ हजार ३४४ किलोलिटर पेट्रोल आयात भेल छल।
चालु आवके १० महिनामे २५ अरब ५४ करोड़ टकाके २४ करोड़ २७ लाख तीन हजार १५० किलोग्राम एलपिजी ग्यास आयात भेल अइछ। जखन कि बितल आवक १० महिनामे ३० अरब २८ करोड़ टकाके २६ करोड़ ४१ लाख १४ हजार ३२६ किलोग्राम एलपीजी ग्यास आयात भेल छल। (रासस)





