सुरक्षा संयन्त्रके अध्ययन समितिक म्याद बढ़ेबाक सरकारक निर्णय


काठमाण्डू, १९ जेठः सरकार बितल भादब २३ आ २४ गतेके प्रदर्शनक क्रममे भेल घटनाके जाँचबुझ करबाक लेल गठित आयोग पेस कएने प्रतिवेदनमे उल्लेखित सुरक्षा संयन्त्रके हकमे अध्ययन करबाक लेल गठित अध्ययन समितिके कार्यावधि ४५ दिन बढ़ेबाक निर्णय केलक अइछ ।

मन्त्रिपरिषदक आइ भेल बैसारसँ उक्त निर्णय कएल गेल शिक्षा तथा खेलकुदमन्त्री तथा सरकारक प्रवक्ता सस्मित पोखरेल जानकारी देलैन ।

बैसारसँ भूमि समस्या समाधान समितिके अध्यक्षमे बलभद्र बाँस्तोला (कास्की)केँ नियुक्त करबाक निर्णय कएल गेल अइछ । समितिक सदस्यसभमे अमिरप्रसाद न्यौपाने (काठमाण्डू), पद्मिनी सोती (लमजुङ) आ डा. रेहना श्रेष्ठ (काठमाण्डू) केँ नियुक्त कएल गेल अइछ ।

सरकार संयुक्त राष्ट्रसङ्घ वातावरणीय कार्यक्रम (युएनइपी)सँ ओजन तहकेँ नोक्सानी हुअबला पदार्थके व्यवस्थापन आ न्यूनीकरणसम्बन्धी मोटेरल प्रोटोकलके कार्यावंयनसम्बन्धी सम्झौता स्वीकृत करबाक निर्णय सेहाे केलक अइछ । तहिना, बैसारसँ सशस्त्र प्रहरी नायब महानिरीक्षक अञ्जनी कुमार पोखरेलकेँ सशस्त्र प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक पदमे बढुवा करबाक निर्णय सेहो कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय