काठमाण्डू, २० जेठ: राष्ट्रिय सभा सदस्यसभ नेपाल–भारत सीमा समस्या समाधानमे कूटनीतिक प्रयास अपरिहार्य भेल बतौलैन अइछ ।
राष्ट्रिय सभाके आजुक बैसारक आकस्मिक समयमे सांसदसभ सीमा समस्या सम्बन्धी समस्या समाधान करबाक लेल ऐतिहासिक तथ्य आ प्रमाणक आधारमे संवाद करबाक लेल सरकारकेँ सुझाव देलैन ।
नेपाली कांग्रेसक सांसद सुनिल बहादुर थापा नेपाल–भारत सीमासम्बन्धी विषय दू देश बीचक संवाद आ स्थापित कूटनीतिक संयन्त्रमार्फत समाधान खोजबाक चाही बतौलैन । “अइ विषयमे सरकारकेँ संयमित, स्पष्ट आ जिमेवारी कूटनीतिक दृष्टिकोण अपनेबाक चाही”, ओ कहलैन ।
नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)के सांसद विष्णु बहादुर विश्कर्मा देशक भौगोलिक अखण्डता आ सार्वभौमसत्तामे ठेस पहुँचैबला अभिव्यक्ति केकरो नै देबाक चाही बतौलैन ।
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)के सांसद सम्झना देवकोटा नेपाल–भारत सीमा सन् १८१६ के सुगौली सन्धिसँ निर्धारित भेल उल्लेख करैत सीमा समस्या कूटनीतिक माध्यमसँ समाधान करबाक लेल सुझाव देलैन । (रासस)





