काठमाण्डू, २१ जेठः नेपाल राष्ट्रसङ्घीय विकास प्रणालीकेँ सुदृढ़ बनेबाक लेल जोड़ देलक अइछ । बहुपक्षीयताके सुनिश्चितताक लेल राष्ट्रसङ्घीय विकास प्रणालीकेँ सुदृढ़ बनाेनाइ अपरिहार्य रहल नेपालक कहब अइछ ।
राष्ट्रसङ्घीय मुख्यालयमे आइ आयोजित ‘बहुपक्षीयताके भविष्यः सन् २०३० बादके लेल राष्ट्रसङ्घीय विकास प्रणाली निर्माण’ नामक परामर्श कार्यक्रममे संयुक्त राष्ट्रसङ्घक लेल नेपालक स्थायी प्रतिनिधि लोक बहादुर थापा सन् २०३० के बादक चुनौती आ अवसरकेँ सम्बोधन करबाक लेल राष्ट्रसङ्घीय विकास प्रणालीकेँ सक्षम बनेबापर जोड़ देलैन ।
न्युयोर्कस्थित संयुक्त राष्ट्रसङ्घक लेल नेपालक स्थायी नियोग अनुसार राजदूत थापा विकास प्रणालीकेँ बाँकी रहल दीर्घकालीन विकास लक्ष्य (एसडिजी) कार्यावंयनक लेल मात्रे नै भविष्यके चुनौती आ अवसरकेँ सेहो समेटएजका सुदृढ़ केनाइ जरूरी भेल बतौलैन ।
राष्ट्रसङ्घीय विकास प्रणालीकेँ संस्थागत संरचना मात्रे नै, साझेदारी आ ऐक्यबद्धतामार्फत आओर प्रभावकारी बनेबापर ओ जोड़ देलैन । नागरिक समाज, युवा, शैक्षिक क्षेत्र, स्थानीय सरकार, निजी क्षेत्र तथा अन्य सरोकारवालासभक सक्रिय सहभागिता बिना भविष्यमे प्रभावकारी आ सान्दर्भिक विकास प्रणाली निर्माण सम्भवना नै होबाक हुनक कहब छैन ।
स्थायी प्रतिनिधि थापा आइ कएल जाएबला निर्णयसभसँ आगामी पुस्ताके लेल प्रभावकारी आ परिणाममुखी बहुपक्षीय प्रणाली निर्माणमे महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करबाक कहैत अन्तर्राष्ट्रिय सहकार्यकेँ आओर सुदृढ़ बनेबापर जोड़ देलैन । (रासस)





